.....

Maithili Jokes - एक फुल और एक हाफ टिकट दिय...

एक बेर नबल अपना माँ के संगे फिल्म देखे के लेल गेला और टिकट काउंटर पर......

नबल टिकट वला सऽ : भय साहिब एक फुल और एक हाफ टिकट दिय,

टिकट वला : फुल ककरा लेल और हाफ ककरा लेल,

नबल : फुल माँ के लेल और हाफ हमरा लेल,

टिकट वला : आहा के मूंछ (मोछ) भऽ गेल हम अहू अपन फुल टिकट लियो,

नबल : ठीक या तऽ एक फुल और एक हाफ टिकट दिय, किया की हमरा माँ के मूंछ नहीं भेले हन.

Read more...

Maithili Jokes - हे गै बुच्ची एक कप चाह लबऽ तऽ..

प्रभाकर भाय एक दिन एयरपोर्ट गेला और हवा जहाज पर बैशला.....
प्रभाकर भाय एयरहोस्टेज सऽ : हे गै बुच्ची एक कप चाह लबऽ तऽ...

एयरहोस्टेज : गरम दुध में टी-बैग डूबाबैत हुनका द देलकैन...

प्रभाकर भाय : हे गै बुच्ची हम मुसलमान के हाथ स छुल किछु चीज नै खाई छी और तु हमरा ओकर बला ताबीज दुबेल्हा चाह पियबै छ...

Read more...

Maithili Jokes - हे यै भाल्पट्टी वाली आहा एते ने...

प्रभाकर भाय अपना कनिया सँ कहेत छथि.......
प्रभाकर भाय : हे यै भाल्पट्टी वाली आहा एते ने अस्नो, पाउडर, लिपिस्टिक सब खरीदाबे छी ताहि सँ मोन हमर तंग भऽ गेल होय या जे आत्म हत्या कऽ ली....

भाल्पट्टी वाली : आत्म हत्या करे सऽ पहीले एक टा उज़र (उजला) रंग के सूट-सलवार एइन दिय किया की मरला के बाद ओकर कनिया उज़र कपरा पहीरे छे....

Read more...

Maithili Jokes - रोउ बौउया आब तुहूँ सल्बार...

रिजल्ट निकलला के बाद लड़का]h��े अपेक्षा लड़की के रिजल्ट जाय्दा बढ़िया छल....

प्रभाकर चौधरी नबल सं : नबल हमरा तऽ होय या की हम बड़की पोखेर में डूईब कऽ मरी जय.....

नबल : धुरी जी महराज आहा हमरा कहे छी , हमर बाबु कहेत छथि जे रोउ बौउया आब तुहूँ सल्बार
सूट पहिरल कर तऽ तोरो देख कऽ पास कऽ देतो...

Read more...

Maithili Jokes - पैर अंदर कऽ लिय मैडम...

चुटी रिक्शा में पैर बाहर कऽ-कऽ बैसल छल...

रिक्शा ड्राइवर- पैर अंदर कऽ लिय मैडम....

चुटी - नै, रस्ता में हाथी मिलत त ओकरा लात मरबाक या कैल हम भाल्पट्टी बजार जा रहल छलो तऽ ओ हमरा आंखी   मारी कऽ भागी गेल छल....

Read more...

Maithili Jokes - लोफर और ऑफर में की अंतर ?

प्रभाकर मुरारी स : लोफर और ऑफर में की अंतर या बताबु ?

मुरारी : सीधा अंतर या प्रभाकर जी अगर कोनों लड़का आई लव यू कहेत या त ओकरा हम लोफर कहेत छी, अगर    कोनों लड़की आई लव यू कहेत या त ओकरा हम ऑफर कहेत छी

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ के संगी कोना मरल ???

डॉक्टर, रमण भाय सँ : अहाँ के संगी कोना मरल ???

रमण भाय : मालुम नै साहब!!! ओ हमरा कहलक जे हमरा पेट में मुश (चूहा) कुदैक रहल अछि ??? ते हम हुनका मुश मारे बला दावा खुवा देलो....

Read more...

Maithili Jokes - घंटी नै मैर सकैत रही ?

अमित भाय साइकिल पर बज़ार जैत रहथिन...

रास्ता में एक नवयुवती के साइकिल सँ ठोकर मैर देलखिन...

नवयुवती (तमसा के) : घंटी नै मैर सकैत रही ??

अमित भाय : पूरा साइकिल ते मैर देलो... घंटी की अलग सँ मैरतो ???

Read more...

Maithili Jokes - जै उल्लू के पट्ठा के..


मदन भैया अपन ६ साल के बेटा कs एक खिलौना बला रेल गाड़ी खरीद के देलखिन...

खिलौना देलाक किछ देर के बाद मदन भैया बेटा के रूम में गेला ते देखैत छैथ बेटा रेल गाड़ी संग खेल रहल छैथ... आ कहैत छथिन.. "जै उल्लू के पट्ठा के उतरबाक छो उतर" "जै उल्लू के पट्ठा के चढ्बाक छो ओ चढ़" गाड़ी दुई मिनट सँ बेसी नै रुकतो....

बेटा के मुह सँ एही तरहक गप.... मदन भैया के निक नै लागल.... बेटा के दू थापर देला के बाद खिलौना ...छीन के रैख देलखिन.... आ बेटा सँ कहलखिन... हम दू घंटा के लेल बज़ार जे रहल छियो.... जा धरी एबो तू बैस के पढबिही....

दू घंटा के बाद जखन मदन भैया बज़ार सँ घुरला... देखैत छैथ बेटा आज्ञा अनुसार बैस के पैढ़ रहल छथिन... मदन भैया के ह्रदय पसीज गेल... ओ फेर सs बेटा के खिलौना द देलखिन... कहलखिन जो खेल गs ....

कनी देर के बाद मदन भैया बेटा के रूम में गेला ते बेटा के मुह सँ सुनैत छैथ......

"जै उल्लू के पट्ठा के उतरबाक छो उतर"
"जै उल्लू के पट्ठा के चढ्बाक छो ओ चढ़"
"गाड़ी पहिने एक उल्लू के पट्ठा के बजह सँ दू घंटा देरी सs चैल रहल छैक"

Read more...

Maithili Jokes - सभ दिन हम शर्त लगबैत छी..

प्रकाश भैया सभ दिन बैंक में ५-१० लाख पाई जमा कराबे जैत छलखिन.... बैंक के मैनेजर के आश्चर्य भेलैन जे प्रकाश बाबू सभ दिन एतेक पाई कते सँ आनैत छलखिन..... जिज्ञासा बस एक दिन मैनेजर प्रकाश भैया सँ पुछालखिन... प्रकाश बाबू अहाँ एतेक पाई कते सs आनैत छी ???

प्रकाश भैया : मैनेजर साहब!!! हमर तें बस एके काज अछि, सभ दिन हम शर्त लगबैत छी आ शर्त जीत जैत छी....

मैनेजर के विश्वास नै भेल.... 

मैनेजर : यो प्रकाश बाबू, अहाँ एहेन कुन शर्त लगबैत छी जे सभ दिन जीत जैत छी ????

प्रकाश भैया : मैनेजर साहब!!! चलू आय हम अहाँ सँ १० लाख के शर्त लगबैत छी, शर्त इ अछि जे... "अहाँ के नितंब पर एक फोड़ा अछि" आब शर्त इ अछि जे कैल्ह दिन में गबाहक रूप में हम दुई आदमी के अपन संग आनब.... हुनका अहाँ के अपन नितंब देखाबे परत....

यदि अहाँ के नितंब पर फोड़ा भेटल ते अहाँ हमरा १० लाख देब.... फोड़ा नै भेटल ते हम अहाँ के १० लाख देब ...... कहू मंजूर अछि ????

मैनेजर बुझैत छलाह जे हमरा नितंब पर कुनू फोड़ा नै अछि.... ओ ख़ुशी - ख़ुशी शर्त लगा लेलैथ....

दोसर दिन प्रकाश भैया के संग में दुई आदमी के आबैत देख कs मैनेजर के ख़ुशी के ठीकाना नै... मोने - मोन मैनेजर १० लाख के सपना देखा लागला...

प्रकाश भैया सभ जहिना बैंक पहुच्ला... मैनेजर हुनका सभ के अपन केविन में बजेलैथ... आ अपन पेंट खोइल के देखा देलखिन जे देखू.... हमरा नितंब पर फोड़ा नै अछि... आय अहाँ हारलों... १० लाख टका दिअ....

मैनेजर जहिना पेंट खोलला... प्रकाश भैया के संग बाला दुनु आदमी बेहोश!!!!!

प्रकाश भैया ख़ुशी - ख़ुशी मैनेजर के १० लाख टका देलखिन आ जोर - जोर सँ हँसे लग्लैथ.......

मैनेजर : प्रकाश बाबू आय किएक हँसे छी यो ??? आय ते अहाँ अपन शर्त हैर गेल छी ????

प्रकाश भैया : मैनेजर साहब!!! अहाँ के बुझल अछि जे इ दुनु आदमी किएक बेहोश भेल ??? हम हिनका दुनु आदमी सँ ४० लाख के शर्त लगेना रही जे बैंक मानेजर के अहाँ सभ के सामना में नागट करब.... अहाँ के नागट के कs हम अपन शर्त जीत गेलो....

अहाँ के १० लाख देला के बाबजूद ३० लाख हम जीतलों तही लेल हम हँसैत छी....

Read more...

Maithili Jokes - चैर टा काफी छैक...

चैर आदमी मिल के मोहन  भैया के सासू माँ के पीटैत छलखिन... मोहन  भैया चुपचाप ठाढ़ भ के देखैत रहथिन... हमरा सँ नै देखल गेल...

हम मोहन  भैया सँ कहलो.... यो भैया ऐना चुपचाप ठाढ़ छी... मदद करबाक लेल नै जेबै ???

मोहन  भैया : नै... नै चैर टा काफी छैक...

Read more...

Maithili Funny Story - मजाक (एक हास्य कथा) - जितमोहन झा

हमरा गाम मे एगो पंडीजी काका छलाह, ओ एतेक मजाकिया छला जुनि पुछू .... मजाक करै मे दूर - दूर तक हुनक चर्चा होइ छन्हि ! सच पुछू तँ मजाक करै मे ओ किनको नञि छोड़ैत छथिन्ह !

एक दिनक बात छल हुनक अर्धांग्नी (पंडीतैन) हुनका कहलखिन अहाँ सभसँ मजाक करै छी ... एतऽ धरि जे मजाकक मामला मे दूर - दूर तक अहँक चर्चा होइत अछि ! मुदा अहाँ हमरासँ कहियो मजाक नञि केलहुँ ......

पंडीजी काका बजलाह ... देखू सुनेना के माय, ई बात सत्य अछि जे हम सभसँ मजाक करै छी ! एकर मतलब ई थोड़े ने की हम अहूँसँ मजाक करी ?

ताहि पर पंडीतैन कहलखिन- से नञि हएत, एक दिन अहाँ हमरासँ मजाक कs ई देखाबू ताकि हमहूँ तँ देखी जे अहाँ कोना मजाक करैत छी ?

पंडीजी काका हारि क्s बजलाह- ठीक अछि। जहिया मौका भेटत हम अहूँसँ मजाक करब ......

किछु दिनक बाद पंडीजी काका अपन सासूर पहुँचलाह , सासुर मे हुनकर खूब मोन आदर भेलन्हि, भोजन - भातक बाद ओ जाय लेल निकलश ताबे मे हुनकर छोटका सार सुनील बाबु हुनका आग्रह कs कए कनि देर बैसे लेल कहलखिन !

सुनील बाबु ... झाजी बहुत दिनक बाद आयल छलहुँ, किछु गाम - घरक समाचार सुनाबू !

पंडीजी काका मूह बनबैत बजलाह की कही सुनील बाबु किछ दिनसँ हम बहुत परेसान छी ....

सुनील बाबु ... झाजी की बात अछि अहाँ बहुत दुखी लागैत छलहुँ, कनि खोइल के कहू अहाँ केँ कोन परेसानी अछि ? हम अपनेक कुनू काज आबी तेँ ख़ुशी हएत !

सुनील बाबु बात ई अछि जे घरमे आधा राति केँ एक प्रेत सुन्दर युवतिक रूप मे अर्धनग्न अवस्था मे दलान पर आबैत छलीह आ जतेह अनार, लताम, नेबो सभ गाछ में रहैत अछि सभ टा तोड़ि कs चलि जाइत छलीह ! हम रोज ओकरा देखैत छलहुँ मुदा हिम्मत नञि होइत अछि जे ओकरा रोकी ! आब अहीं कहू जे हमरा ई अनार, लताम आ नेबोक गाछ लगेनेसँ कोन फायदा ? परेसान भs कs आब सोचने छी जे सभ टा गाछ केँ काटि देब .... जखन फल खेबे नञि करब तँ गाछ राखिये कs कोन फायदा ?

सुनील बाबु हँसैत - हँसैत बजलाह ... बस एतबे टा बात सँ अहाँ परेसान छी ? अहाँ चिंता जुनि करू । काल्हि हम आबय छी, काल्हि राति हम ओ प्रेत केँ देखब .. आब अहाँ जाऊ, हम काल्हि आबए छी !

पंडीजी काका ठीक अछि, कनि सांझे केँ आयब हम अहाँक बहिन केँ कहि देबनि भोजन - भात तैयार रखतीह।

ई कहि केँ पंडीजी काका बिदा भेलाह ......

घर पहुँचते चौकी पर चारि-चित पड़ि रहलाह ।

पंडीतैन हुनका चौकी पर चारि-चित परल देख कए दौगल अएलीह .... नाथ की भेल अहाँ केँ ? अहाँ किछु परेसान लगै छी !

पंडीतैन केँ परेसान देखि कऽ पंडीजी काका उदास मने बजलाह ... हाँ पंडीतैन, बाते किछु एहेन अछि जै सँ हम परेसान छी !

पंडीतैन .... देखू हमरासँ किछ छुपबई के प्रयास नञि करू अहाँक ई हालत हमरासँ देखल नञि जएत, जल्दी कहू की बात छल ..?

-की कही पंडीतैन आय हम अहाँक नैहर गेल छलहुँ, अबैत घरी रस्ता मे एगो ज्योतिष महाराज जबरदस्ती हमर हाथ देखलन्हि .......

-की भेल सेतँ कहू ?

-भेल ई जे हुनकर कहब छनि, हम आब खाली ५ दिनक मेहमान छी .......

पंडीतैन जोर - जोर सँ छाती पिटैत कानए लगलीह- हे कालि मैया हम ई की सुनय छी ....... नाथ अहाँ चिंता नञि करू हम कुनू निक ज्योतिष सँ अहाँ केँ देखाएब । यदि कुनू कलमुहीक छाया अहाँ पर अछि तs ज्योतिष महाराज कुनू ने कुनू उपाय ओकर निकालताह.....

पंडीजी काका ... भाग्यवान उपाय तँ इहो ज्योतिष महाराज बतेल्न्हि......

पंडीतैन.. की उपाय बतेलक से कहू ?

-किछ नञि, हुनक कहब छन्हि जे आमावस्याक रातिमे यदि कुनू सुहागिन नारी अर्धनग्न अवस्था मे आधा राति केँ यदि कुनू नेबोक गाछसँ नेबो तोड़ि केँ आनथि आ यदि सूर्योदय सँ पहिने हमरा ओकर सरबत पीएय लेल देल जाय तs ई बिघ्न दूर कएल जाऽ सकैत अछि !

पंडीतैन..... नाथ तखन अहाँ चिंता किए करै छी, काल्हि अमावस्या छी आ अपने दलान पर नेबोक गाछ अछि, काल्हि हम अपने ई काज करब अहाँ चिंता नञि करू ! राति भ्s गेल, चलू सुइत रही, काल्हि सभ ठीक भऽ जएत ......

दुनु प्राणी सुतए लेल चली गेलाह मुदा पंडीतैन केँ भरि राति निंद नञि भेलनि ..... ओ भोरक इंतजार करए लगलीह ! भोर भेल आब ओ रातिक इंतजार करए लागलीह .... ताबे धरि सांझ के सुनील बाबु पहुँचलाह ....

पंडीतैन ... भैया आय अहाँकेँ बहिन कोना मोन पड़ल ... कहीं रस्ता तs नञि बिसरि गेलहुँ ?

सुनील बाबु ... बहिन आय दफ्तरक छूटी छलए तँ सोचलहुँ जे अपन गुडियांक हाल - समाचार लs आबी !

बाद मे बहुत देर तक हाल समाचारक बाद सभ भोजन केलक । भोजनक बाद सुनील बाबु सुतए लेल दलान पर चलि गेलाह !एम्हर पंडीजी - पंडीतैन सेहो सुतए लेल चलि गेलाह .... किनको निंद नञि आबैत छन्हि .... पंडीजी काका अपन मजाकक बारे मे सोचैत छलाह तँ पंडीतैन अपन जीवन साथीक जीवनक लेल .... सभसँ हटि कs सुनील बाबु बहुत खुश छथि ! कियेकी हुनकर सोचब छन्हि जे ई अनार, लताम, नेबो तोरब कुनू प्रेतक काज नञि ई कुनू परोसिनक काज थीक ! आय ओ मने मन सोचलथि जे कियो भी होए हम ओकरा नञि छोड़ब, किये की ओ हमर झाजीक जिनाय हराम कए देने अछि ! ओ एखने सँ नेबोक जड़िमे जाऽ कए बैसि गेलाह ! देखते - देखते राति सभ केँs अपन कोरमे लs लेलक ....

पंडीतैन धरफड़ाएले उठलीह, अपन कपड़ा उतारलन्हि, माथ झुका कालि मैया केँ प्रणाम कs कए विनती केलन्हि जे हे मैया हमर पतिक रक्षा करिहैथ....

आ ओ चलि देल्न्हि नेबो तोड़ए लेल .....

पंडीतैन जहिना नेबो गाछ तर पहुँचलीह सुनील बाबु भरि-पाँज हुनका पकड़ि लेलखिन आ मूह दबेने दलान दिस चलि देलन्हि .... ताबे धरी पंडीजी काका हाथ मे लालटेन लेने दौगल अएलाह ....

-सुनील बाबु ssssss, सुनील बाबु रुकू ssssss रुकू, ई कियो आर नञि अहींक बहिन छलीह ......

ई सुनिते सुनील बाबु भोर होए के इन्तजारो नञि केलन्हि, भागलाह अपन गामक दिस .....

एम्हर पंडीतैन पंडीजी काकासँ लिपटि केँ कलपि-कलपि कऽ कानए लगलीह ..... नाथ अहाँ हमरा संग एहेन मजाक किये केलहुँ ......?

Read more...

Maithili Jokes - बसबिट्टी में आइग के लगेलक.....

बाबूजी अमित जी सँ : बेटा अमित, आय एतेक जल्दी अहाँ स्कुल सँ कोना आइब गेलो ??

अमित : पापा दरअसल पूरा क्लास में मात्र हम एक विधार्थी रही... जे मास्टर साहेब के प्रश्न के जबाब दलों...

बाबूजी : अच्छा!!! मुदा प्रश्न की रहे ???

अमित  : स्कुल के बगल के बसबिट्टी में आइग (आग) के लगेलक.....

Read more...

Maithili Jokes - भाई की, कहू ने ???

संता सिंह, बंता सिंह सँ : अरे भाई इ कहू... यदि बिना दाँत के कुत्ता कैट लिए  तें की करबाक चाही ???

बंता सिंह  : सिम्पल अछि बॉस...

संता सिंह : भाई की, कहू ने ???

बंता सिंह : बिना सुई के 14 इंजेक्शन धोढ़ी पर  लगबा लेबाक चाही.....

Read more...

Maithili Jokes - फेर की भेल ???

राजनारायण जी : की कही भाई कैल्ह हमर एगो संगी हमर मोबाइल सs हमर गर्लफ्रेंड के नंबर चुरा लेलक.....

हेमानंद जी : फेर की भेल ???

राजनारायण जी : बेवकूफ कैल्ह रैत सs खुद के बहिन के रोमांटिक संदेश भेज रहल छैक....

Read more...

Maithili Jokes - आब हम नेहे सकैत छी ???

प्रफुल भैया, डॉक्टर सँ : डॉक्टर साहब हमरा दुई साल पहिने बुखार रहे....

डॉक्टर : हाँ!! आय की भेल ??

प्रफुल भैया : किछ नै!!! इम्हर सs गुजरैत रही... तें सोच्लों अहाँ सs पुइछ ली... दुई साल पहिने अहाँ हमरा नहाबई सँ मना केना रही... की आब हम नेहे सकैत छी ???

Read more...

Maithili Jokes - बेचारा सही में आन्हर छैथ...

नविनजी आ भउजी (हुनकर कनियाँ) दुनु गोटा गेला मेला देखे....

रास्ता में एक भिखारी भउजी सँ : सुंदरी पाँच गो टका हमरा दान करू... पिछला दुई दिन सँ हम भूखल छी....

नविनजी तुरंत जेबी सs दसटकिया निकैल के भिखारी के थम्हा देलखिन....

भउजी नविन जी सँ : अरे अहाँ दस टका किएक देलिए ? ओ तें पाँचे टका माँगैत रहै ??

नविन जी : बेचारा सही में आन्हर .छैक .... अहाँ के सुंदरी कहलक.....

Read more...

Maithili Jokes - स्कूटर कहाँ अछि ?

एक दिन रमण भैया हेलमेट पहिर के बजार निकलला....

रास्ता में ट्रेफिक पुलिस : चलू निकालू ५० टका....

रमण : मुदा किएक ? हम तें हेलमेट पहिरने छी ?

ट्रेफिक पुलिस : हेलमेट तें पहिरने छी....... स्कूटर कहाँ अछि ????

Read more...

Maithili Jokes - गलती होइते छै मनुख सs .....

एक टा सर्कस के बानर गधासँ पुछलकाई...   राऊ नै तोरा कियो घास दैत छोऊ... नै रहे के कोनो ठेकाना.... तू तें किछ करतबों नै करैत छिही....  उल्टे जोकर सभ सद्द घरी  तोहर मज़ाक उराबैत छोऊ... आ पीठ पर फट्ठी मारैत छोऊ... तकर बादो तू की करैत छिही सर्कस में ???

गधा बाजल जे नै बुझलिही... अय सर्कस के जे सभ सँ सूनर लड़की छै... से झुला पर करतब करैत छै.... एक दिन ओकर मास्टर ओकरा ट्रेनिग दैत काल कहने रहे जे - जे करतब काल में झुला पर सँ खसबिही तें अय गधा सs बियाह करे देबोऊ....

मनुखे छिए.... गलती तें करबे करतै... गलती होइते छै मनुख सs .....

Read more...

Maithili Jokes - घोड़ा चरहब हो भगवान्....

लगभग १०० साल पहिने ब्रजबंसी काका खाली पेरे जेठ मास  में सिमरिया गंगा स्नान करबाक लेल जायत रहैथ... धीपल बालू जखन पेर कs पकाबे तें मोने - मोन थाकल अवस्था में  ब्रजबंसी काका सोचैथ "घोड़ा चरहब हो भगवान्, घोड़ा चरहब हे भगवान्"

एतबे में एक अंग्रेज गाभिन घोड़ी पर चरहल जखन ब्रजबंसी काका के नजदीक आयल तें ओकर घोड़ी बीए गलाई... आ बच्चा घोड़ा देलकै....

अंग्रेज ब्रजबंसी काका के आदेश दैत बाजल... "इसे उठा कर समस्तीपुर डाक बंगला तक ले आओ" आ अंग्रेज अपन घोड़ी के एड़ मारलक आ  आगा  चैल गेल...

ब्रजबंसी काका डर सँ की बाजता.... घोड़ा के कन्हा पर उठा के चले लागला...आ मोने मोन बैज उठला "उल्टा समझला हो भगवान्, उल्टा समझला हे भगवान्"

Read more...

Maithili Jokes - मुबारक हो अहाँ बाप बैन गेलो....

रमेश बाबू  के ससुर जी रमेश बाबू के जूता सs जुत्याबैत रहथिन...

हम कहलो.... हे...हे..... ऐना किये चाचा जी ???

रमेश बाबू के ससुर : धुर की कही महाराज!! आय भोरे - भोर हिनका हम अस्पताल सँ मोबाइल पर संदेश भेजलो... "मुबारक हो अहाँ बाप बैन गेलो"....
इ कमीना ओ संदेश अपन सभ संगी - साथी के "फोर्वोर्ड" के देलाह....

Read more...

Maithili Jokes - हमहूँ एक चुम्मा लेबाक इच्छुक छी...

रमण भाय, आ हुनकर गर्लफ्रेंड एक बगीचा में बैसल रहथिन.....

नजदीक में एक कुत्ता कुत्तीया कs चुम्मा लैत रहे....

रमण भाय, अपन गर्लफ्रेंड सँ : जानू.... अगर अहाँ गुस्सा नै करी तें.... हमहूँ एक चुम्मा लेबाक इच्छुक छी...

गर्लफ्रेंड : ठीक अछि.... हमरा कुनू एतराज़ नै... बस ध्यान राखब... कही कुत्तीया कैट ने लिए ????

Read more...

Maithili Jokes - स्वेटर यदि प्रेमी के तें तीन दिन...


एक सम्मेलन में महिला सभ सँ एक सवाल पूछल गेल... फूल बैह के स्वेटर तैयार करई में कतेक समय लागत ??

उत्तर अलग - अलग मिलल.... उत्तर किछ एय तरहे रहे....

स्वेटर यदि प्रेमी के तें तीन दिन.....


स्वेटर यदि पड़ोसन के पति के तें तीन हफ्ता....

आ स्वेटर यदि अपन पति के तें कम सँ कम तीन महिना वा ओयो सँ बेसी लैग सकैत अछि....

Read more...

Maithili Jokes - बहुत निक ड्रेस पहिरने छी...

फेकन बाबू, राह चलैत एक युवती सँ : बहुत निक  ड्रेस पहिरने छी...

युवती : सच  .....

फेकन बाबू : लिपस्टिक सेहो बड्ड निक अछि....

युवती : धन्यवाद....

फेकन बाबू : मेकअप सेहो निक केना छी ..♥ .. ♥ ..♥ ..

युवती : धन्यवाद!!! भैया.....

फेकन बाबू : कमाल अछि.... तैयो लागे छी बनरी ज़ोका.....

Read more...

Maithili Jokes - मामला के आहीठाम रफ्फा - दफ्फा करू...

नागेन्द्र सिंह जी के पुलिसि में नोकरी छलैन.....
एक दिन अपन बेटे के ऊपर बरैस परला ...........एँ रोऊ तोरा एतेक कम नंबर कियक एलौआ परीक्षा में ... पढाई में मों नहीं लागैत छोऊ ...........आई सँ तोहर खेलनाय, टी .वी देखनाय सबटा बंद !

बेटा :- बाबु जी तम्साऊ नई ई लीय २००/- रु आ मामला के आहीठाम रफ्फा - दफ्फा करू ......


प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - हमरा खेते देखा दिय हम चैर अबै छि....

मिथलेश बाबु के नव- नव बियाह भेल छलैन , घरी - घरी ऊठी सासुर बिदा भ जायत छलाह...

एक बेर एनाहैते गेलैथ त नौ दिन तक धरना खसा देलेथ सासुर में , आ सासुरो वला सभ तेहने सब दीन अपन खेतक खेसारी के साग खुआबैन ....

दसम दिन जखन पुछ्ल्खैन खा लेल, त मिथिलेश बाबु कहलखिन................. किया कस्ट करब.. हमरा खेते देखा दिय हम चैर अबै छि....


प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - कन्यागत काल में दूल्हा दुल्हन के हाथ कीयक पकरैत छथिन..

सुरेश  जी के भतीजा, सुरेश जी  से : काका यौ कन्यागत काल में दूल्हा दुल्हन के हाथ कीयक पकरैत छथिन?

लम्बा सांस भरैत सुरेश जी  - बेटा इ एक टा रस्म अछि , कुश्ती से पहिने पहवान भी अखाडा में हाथ मिबैत छथिन...


प्रस्तुतकर्ता : राजनारायण झा, समस्तीपुर, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - आगू मम्मी के मर्जी....

मास्टर : पप्पू, बताबु अहाँ कुन जैत (जाती) के छी ???

पप्पू : पहिने तें हम वर्मा छलों, फेर शर्मा भो गेलो, ओकर बाद सोनार... फेर लोहार भो गेलो, एखन छी दरजी, आ आगू मम्मी के मर्जी....

प्रस्तुतकर्ता : शिव नारायण राउत, दरभंगा, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - ऐना किएक देखैत छि?

रमण बाबू आर  हुनकर प्रेमिका.... एक प्लेट में सेवपुरी  खैत रहैथ....एक दोसर  के आइख में आइख डाइल के....

रमण बाबू,  सरमैत कहलखिन ऐना किएक देखैत छि?


हुनकर प्रेमिका; कनी स्थिर स खाऊ न भिखारी जेका किएक खाई छि....

प्रस्तुतकर्ता : आशुतोष ठाकुर, दरभंगा, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - बताउ हमरा चिन्है छी?"

दरभंगा मे डाक्टर लग एकटा बताह के ईलाज चलैत छल। छह मास धरि ईलाज चलला के बाद डाक्टर साहब कहलखिन्ह जे आब इ ठीक भ' गेला। मरिज के गार्जियन पूछलकै से कोना? डाक्टर साहब कहलखिन्ह जे देखियौ एखन हिनका सँ गप्प क' के देखबै छी।

डाक्टर साहब- "की यौ अहाँ के की नाम अछि?"

मरीज- "जी हमर नाम अपेश झा भेल।"

डाक्टर साहब मुस्की दैत गार्जियन के कहलखिन्ह देखलियै ठीक भ' गेला ने।

गार्जियन- "औरो किछ पुछियौ ने।"

डाक्टर साहब- "अच्छा, इ बताउ हमरा चिन्है छी?" अपेश जी- "हाँ यौ, अहाँ त' सकरी चीनी मिल के बम्बा छी।"

गार्जियन- "की डाक्टर साहब, आब कहू। हमरा त' देखैत देरी इ काल्हिये सँ इंडिया गेट कहै छैथ आओर जबर्दस्ती दूनु टाँग देने ढुक' लागै छैथ।

प्रस्तुतकर्ता : ओम प्रकाश झा, मुज़फ्फर पुर, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - दुनु टाइम दू -दू पैग देल करियो...

संभु जी के एक बेर बहुत जोर खांसी भगेलैन , पँहुचला कोरियाही बला ओझा जी लग नुस्खा लेबाकलेल...

संभु जी :- ओझा जी,.... कि कहू खांसी सा बहुत परेसान छि,...... किछु उपाय बताऊ ने !

ओझा जी :- साँझ आ भोर क दुनु टाइम दू -दू पैग देल करियो ने....

संभु जी :- ओही सँ कि खांसी चैल जेतेइ....

ओझा जी :- अरे हमर खेत -पथार, घर- दुवार, बैंक बैलेंस सबटा चलिगेल त फेर ई खांसी कोण बरका चीज छै ....


प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - कतेक में बेचबिही इ महिष ??

एब बेर संता सिंह  गेला एक महिष (भैंस) कीने... बहुत पसंद केला के बाद हुनका एक महिष पसंद भेल...

संता सिंह, महिषबार सँ : कतेक में बेचबिही इ महिष ??

महिषबार : मालिक अहाँ के लेल ५०००....


संता सिंह : ५००० इ महिष के हिसाबे बहुत बेसी छोऊ... ५००० के महिष नै छोऊ....

महिषबार : किएक मालिक, महिष में अहाँ के की कमी बुझायल ???

संता सिंह  : महिष के एक अईखो नै छोऊ...

महिषबार : अहूँ कपरचंठ बला गप बाजे छी.... अयो, अहाँ के महिष दूध देबाक लेल चाही की अहाँ महिष सs कशिदाकारी करायब ????

Read more...

Maithili Jokes - सस्ता काज कराब त याह नतीजा हेत ने ??

आशीष भाई कनियाँ सँ बड़ परेसान छलाह.... हैर क एक दिन एगो वकील लग गेला...

आशीष भाई :- वकील साहब हमरा कोनो तरहे कनिया सँ पाछा छोराऊ हमरा तलाक करवा दिय .........


वकील :- ५००००/- खर्चा लागत से एखने कहिः दैत छि...

आशीष भाई :- लेकिन पंडित जी त शादी करेबाक ख़ाली ११००/- टका लेने रहैथ.....

वकील :- सस्ता काज कराब त याह नतीजा हेत ने ??

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - बियाह के लेल २१ साल किया रौउ ?

मिंटू भाई चिंटू भाई सँ :- एँ रों चिंटुआ सरकार वोट खसेबाक लेल १८ साल उम्र तय केने छै आ बियाह के लेल २१ साल से किया रौउ ?

 चिंटू भाई :- भाई नहीं बुझालिहीं ई बात सरकारों के मालूम छै जे देश के सम्हारनाय आसान छै मुदा घरवाली के नई .......


प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - हम सीट पर नै पापा के गोद में बैठल रही....

एक बच्चा  अपन माँ से : माँ आई सुबह जखन हम पापा के साथ बस में अबैत रही , तखन पापा एक टा औरत के लेल हमरा से अपन सीट छोड़ के लेल कहला....

 
माँ  : बाऊआ इ त नीक बात ने पापा कहला , अपन से बड़का के सम्मान करs के चाही...

बच्चा  : मुदा माँ , हम सीट पर नै पापा के गोद में बैठल रही...

प्रस्तुतकर्ता : राजनारायण झा, समस्तीपुर, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - २ करोर के लोटरी...

रामउदार मास्टर साहेब के लोटरी लागलैन २ करोर के.... लेकिन कियो बेटा पूतौह सब ई खबर हुनका नई सुनबैन जे कंही एतेक बुढ आदमी छैथ हार्ट -अटैक नहीं भ जाईन सुनिक...

आखिर में एगो निर्णय लेल गेल जे सहर सँ एगो निक डाक्टर के बजायेल जाय आर  ओकरा सामने में ठार क क ई खबर हुनका सुनाइल जाय... ताकि हार्ट -अटैक एला पर बचा लेल जेतैन !

डाक्टर आयल घरक लोग के कहलखिन जे आन्हा सब चिंता नहीं करू कुछी नई हुअ देबैन हम हम खुदे हुनका... ई खबर सुनेबैन

डाक्टर साहेब मास्टर जी लग गेला .......

पहिने इम्हर-उम्हर के बात क क फेर कहलखिन जे " बाबा आन्हा के नाम २ करोड़ के लोटरी लागला !

मास्टर जी :- अच्छा ! लेकिन हम ई उम्र में एतेक रुपया लाका की करब से आन्हा के आधा हम द देब........

डाक्टर साहेब एतेबा सुनैत देरी चारू- नाले चित्त भ का खैस परला आ हुनका प्राण छुइट गेलैन...

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ इ की केलों ?

एक टा दिलफेंक आशिक राह चलैत एल युवती कs सरेआम चुम्मा ल लेलखिन...

युवती : अहाँ इ की केलों ?

युवक : एकरा कहे छैक डायरेक्ट मार्केटिंग... बुझलो ??

युवती फटाक सs युवक के कालर पकरलक... चटाक - चटाक दुनु गाल पर थापर देलक....

युवक : अहाँ इ की केलों ?

युवती : एकरा कहे छैक कस्टमर फीडबैक..... बुझलों ???

Read more...

Maithili Jokes - की माजरा अछि ?

रमण भाय, बार में बहुत देर सँ बैसल पैग पर पैग देने जैत रहैथ....   हर पैग के बाद अपन पर्स मे राखल कनियाँ के फोटो देखला के बाद फेर सँ पीयब सुरु के दैत रहैथ...

हुनकर बगल के टेबुल पर चमन जी बैसल रहथिन.... रमण भाय के इ हरकत ओ बहुत देर सs देखैत रहथिन....

जखन चमन जी सँ रहल नै गेल तें ओ रमण भाय लग पहुच्ला....

चमन जी : की यो रमण भाय, की माजरा अछि ? हम देख रहल छी अहाँ एक पैग मारे छी... फेर फोटो देखै छी.... फेर पीयब सुरु के दैत छी.... आखिर की बात ??

रमण भाय : भाय राज!!! दरसल इ हमर कनियाँ के फोटो छी... जखन इ चुड़ैल खूब सुन्दर लागे लगती तखन हम घर जायब....

Read more...

Maithili Jokes - सीता पर हाथ रखलो त ई हॉल भेल...

कोर्ट में रामलोचन पर मुकदमा चालु भेल.....

जज :- गीता पर हाथ राखी क कसम खाऊ जे हम "जे कीछ कहब सच कहब आ सच के सिबा कीछ नहीं कहब.........

रामलोचन :- सीता पर हाथ रखलो त ई हॉल भेल अछि, ........... और आन्हा कहैत छि जे गीता पर हाथ राखु ?

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी  - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - जखन लाइट जायत छैक....

बिजली बिभाग के ऑफिसर :- आई हमरा मदर्स डे के अवसर पर कोनो मैसेज नहीं भेटल....

चपरासी :- सर कोनो बात नै... जखन लाइट जायत छैक.... तखन आंही के माँ के सभ याद करैत छैथ...!


प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी  - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - केकरा लिख रहल छी...

एकटा पागल चिट्ठी लिखैत रहे।

डॉक्टर : केकरा लिख रहल छी?

पागल : हम खुद क लिखैत छी।

डॉक्टर : की लिखलों हे?

पागल : हमरा की पता अखन हमरा भेटल थोरे अछि।

प्रस्तुतकर्ता : सुनील कुमार झा, सहरसा  - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - एखन त हम पैखाना क रहल छि..

सुरेंदर बाबु अपन गर्लफ्रेंड सँ :- जं आन्हा सुतल छि त अपन स्वप्पन भेजू....

जं जागल होई त अपन याद भेजू...

जं कानैत होई त अपन नोर भेजू ......!

हुनकर गर्लफ्रेंड :- मुदा एखन त हम पैखाना क रहल छि ...........!

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - साहब धोखा हम नै देलीयें...

अमन भाई आर  हुनकर कनिया दुनु गोटे तलाक के लेल कोर्ट पहुचला.....

जज अमन भाई के कनिया सँ :- आहा के लाज नै होइए जे आहा अपना पति के धोखा देलो...

अमन भाई के कनिया :- साहब धोखा हम नै देलीयें... बल्कि धोखा ओ हमरा देला.... कहला जे हम बहार जा रहल छी... दू दिन बाद हम आएब.... लेकिन ओ ओही रात के आएब गेला...


प्रस्तुतकर्ता : विभाकर ठाकुर, मधुबनी - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - कोनो सामान खाई पिबैत छि त देख क खाऊ..

रमण जी कनियाँ सँ तंग भ एक दिन बाज़ार सँ जहर आणि क खा लेलैथ.....

मुदा जहर नकली रहियन... भेलैन किछु नहीं..... उल्टा बीमार पैड गेला.... 

हुनकर  घरवाली कहलकैन जे "हे बाहर के कोनो सामान  खाई पिबैत छि त देख क खाऊ...

आई -काल्लिह बाज़ार में नकली सामान ज्यादा भेट लग्लैया"

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - कोनो दोसर काज कहू ने...

सुनैत छिए जे बिरजू बाबु जिन्न पोसने छलाह ! त एक दिन बिरजू बाबु जिन्न के आज्ञा देलखिन...


तोरा हमरा घर लग सँ पटना तक एकदम पक्किया आर सीधा रोड बनेबाक छोऊ...

जिन्न :- ई त बहुत अस्संभव अछि आका .......

कोनो दोसर काज कहू ने !

बिरजूभाई :- ठीक छई त हमर घरवाली के आज्ञाकारी और समझदार बना दे ..............!

जिन्न :- रोड सिंगल बनेबाक अच्छी की डबल से कहू ?

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - हम बेचारा आम जनता छी.....

रमण जी, चमन जी  सँ : चमन चुकिं हम लोकतंत्र प्रणाली पर विशवास राखैत छी, तहि लेल हम अपन घर में सुख शान्ति बरकरार रखबाक लेल एक सिस्टम बनेना छी....


ओय सिस्टम के अंतर्गत:

हमर कनियाँ वित मंत्री छली...

हमर सासू माँ रक्षा मंत्री....

हमर ससुरजी विदेश मंत्री...

आर हमर साली लोक सम्पर्क मंत्री छली....

चमन जी : तखन तें अहाँ जरुर "प्रधान मंत्री" हेब ????

रमण जी : नै, नै!!! प्रधान मंत्री तें हमर सार छैथ..... 

हम बेचारा आम जनता छी.....

Read more...

Maithili Jokes - अपन बियाह के सी.डी देख रहल छी....

अमर जी, घर में टी.वी लग बैसल ... कपैस - कपैस के कानैत छलाह....

कनियाँ : हाय गे दैया!!! हेयो अहाँ कुन सीरियल देख रहल छी जे एतेक कपैस रहलो ये ???

अमर जी : हम कुन सीरियल नै.... अपन बियाह के सी.डी देख रहल छी....

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ के नोछार - चछार कोना लागल ??

संता सिंह, बंता  सँ : भाय बंता अहाँ ऐना घर के बाहर में किए ठाढ़ छी ?? आ इ पूरा देह में अहाँ के नोछार - चछार कोना लागल ??


बंता सिंह : भाय संता, भेल एहेन की................................!!


संता सिंह  :  अहाँ के  कतेक बेर कहलो... अहाँ लोग सभ सँ झगरा नै करल करू... देखू तें कमब्खत सभ माईर - माईर के अहाँ के की हाल कs देना छैथ... भगवान् हुनकर भला नै करथिन.... कीड़ा फरे हुनका............


बंता सिंह : बस भाय, बस!!!! हम अपन कनियाँ के लेल एहेन अनर्गल गप बर्दास्त नै के सकैत छी.....

Read more...

Maithili Jokes - दादाजी अहाँ कने देरी सs एलो....

एक बहाना बाज कर्मचारी के दादाजी हुनका ऑफिस पहुचला.... आ हुनकर बॉस सँ पूछलखिन अहाँ के ऑफिस में कियो विकाश  नाम के युवक काज करैत छैथ ??? हमरा हुनका सँ मिलबाक अछि... हम हुनकर दादा जी थिको....


बॉस, मुस्कुरा के जबाब देलखिन : दादाजी अहाँ कने देरी सs एलो.... ओ अहाँ के अर्थी कs कन्हा देबाक लेल... छुट्टी ले कs जे चुकल छैथ....

Read more...

Maithili Jokes - दवा ख़त्म भो गेल ??

डॉक्टर, मरीज़ सँ : अय दवा के सेवन पूरा एक हफ्ता करू... एक हफ्ता में दवा ख़त्म भेला पर हमरा सँ आइब कs मिलब... आ कहब तबियत केहेन अछि...

पूरा एक हफ्ता के बाद.......


डॉक्टर : दवा ख़त्म भो गेल ??

मरीज़  : नै डॉक्टर साहब...

डॉक्टर : किएक ???

मरीज़ : दवा के बोतल पर लिखल रहे "अय बोतल के सदीखन बंद राखी"

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ स्कूल किएक आबैत छी ???

मास्टर, रमण जी  सँ : अहाँ स्कूल किएक आबैत छी ???

रमण जी : विद्या के खातिर सर...

मास्टर : तखन सुतल किएक छी ???

रमण जी : किएक की आय विद्या नै आयल छली....

Read more...

Maithili Jokes - दंडवत प्रणाम करैत छी की ???

राजनारायण जी राह चलैत एकाएक ठोकड़ खा कs एक गधा के टांग लग गीर परला...

राह चलैत एक नवयुवती के राजनारायण जी पर हँसी आइब गेल...

नवयुवती : अपन जेष्ठ भ्राता श्री के दंडवत प्रणाम करैत छी की ???

राजनारायण  जी : हाँ भउजी.......

Read more...

Maithili Jokes - मारू इ कमीना के....

एक औरत अपन आशिक  के संग बगीचा में घुमैत रहथिन....

एतबे में हुनकर पतिदेव ओहिठाम आइब गेला.... आ लागल आशिक कs पीटे....

औरत :  मारू!! मारू इ गधा के.... अपन गर्लफ्रेंड के तs बगीचा में घुमैबते नै छैथ.... आ दोसर के कनिया के बगीचा में घुमाबैत छैथ...

एतबे में आशिक  के जोश बढ़ल... आ ओ औरत के पति कs पीटे लागला.....

औरत :  मारू!! मारू इ कमीना के : नै इ खुद बगीचा घुमाबैक लेल ल जायत छैथ.... नै दोसर के घुमाबे देथिन......

Read more...

Maithili Jokes - जल्दी सँ "आई लव यु" कहू...

मास्टर, चन्दन जी सँ : एक सुन्दर लड़की के अहाँ कोना प्रपोज करब ???

चन्दनजी : नाह (नाव) में हुनका बैसा कs समुद्र के बीच में गेला के बाद कहब जल्दी सँ "आई लव यु" कहू नै तें नाह पर सँ उतरु....

Read more...

Maithili Jokes - नै, नै!!! तू ओते रुक...

रमण  के कनिया, अपन माँ सँ : हमर हुनका संग झगड़ा भो गेल अछि, हम वापस घर आइब रहल छी...

माँ : नै, नै!!! तू ओते रुक... ओकरा ओकर करनी के सजा मिलबाक चाही.... हम तीन - चैर �hहिना के लेल ओता आइब रहल छियो....

Read more...

Maithili Jokes - खुटा बचा के, खुटा बचा के....

एक महिला कोमा में चैल गेली....

हुनकर घर बला सभ हुनका मुर्दा समैझ के चैल देलखिन हुनकर अंतिम संस्कार करबाक लेल...
किछ दूर गेला पर महिला के अर्थी एक खुटा (खम्भा) सँ टकरा गेल.... खुटा सँ टकराबैते महिला के होश आइब गेल.... सभ हुनका लs के वापस घर एला....

एक साल के बाद वास्तव में ओय महिला के मृत्यु भो गेल....

सभ फेर सँ चलला हुनकर अंतिम संस्कार करबाक लेल...


जायत काल सभ के मुह सँ बस एके बात निकलैत रहे....


राम नाम सत्य हैं !!!!
राम नाम सत्य हैं !!!!


आ महिला के पतिदेवक मुह सँ बस एके बात निकलैत रहे.....


खुटा बचा के !!!
खुटा बचा के !!!

Read more...

Maithili Jokes - एक ऐहेन बेवकूफ चोर!!

रमेश अपन गर्लफ्रेंड सँ : अगर हम अहाँ के चुम्मा ल ली तें अहाँ हमरा की कहब ???

गर्लफ्रेंड : एक ऐहेन बेवकूफ चोर!! जे पूरा गाड़ी चोरी कs सकैत छलाह... मुदा एक टायर चोरा के संतोष क लेला....

Read more...

Maithili Jokes - कतेक पाई उड़ा कs एला ???

एक दिन कंजूस रमण भाय के छोट भाई... अपन गर्लफ्रेंड संग घुमबाक लेल गेला.... रमण भाय के जखन पता चलल... भाय के एला पर...

रमण भाय  : लाट साहब!! कतेक पाई उड़ा कs एला ???

हुनकर भाय : भैया मात्र “ढाई सौ.”

रमण  भाय “ढाई सौ.” के नाम सुइन के नाराज़ भो गेला... आ अपन छोट भाई के गरियाबे लागला...

हुनकर भाय : आर की करतो भैया ??? हुनका लग बस एतबे छले......

Read more...

Maithili Jokes - पाँच टका किएक ??

रामनारायण  भाय, अपन गर्लफ्रेंड के चुम्मा लैत छलाह... एतबे में गर्लफ्रेंड के छोट भाई इ सभ देख लेलक... रामनारायण भाय घबरा गेला जे कही ओ सभ के बता नै दैथ.....

रामनारायण भाय, गर्लफ्रेंड सँ : बौआ के पाँच गो टका द दैत छी.... ताकि ओ किनको लग किछ बाजैत नै.....

गर्लफ्रेंड : पाँच टका किएक ?? सुरुवे सँ ओ इ काज दुई टका में करे छले......

Read more...

Maithili Jokes - हमर तबियत ठीक नै अछि...

रमण  भाई अपन बॉस के फ़ोन लगेला..


सर, आय हम ऑफिस नै आइब सकब... हमर तबियत ठीक नै अछि.... सगर बदन में दर्द भो रहल अछि...

बॉस : देखू रमण जी, अहाँ के आय ऑफिस आबैये परत.. किछ जरुरी काज अछि.... अहाँ चाही ते तबियत ठीक करबाक लेल हमर तरीका अपने सकैत छी... ऐहेन हालत में हम अपन कनियाँ सँ सगर बदन के मालिश करबाबैत छी.... किछे देर मs सभ दर्द गायब भो जायत अछि.... बुझलों ???

दुई घंटा के बाद रमण जी  बॉस के फेर फ़ोन केला....
अहाँ ठीक कहने रही सर, अहाँ जहिना कहने रही हम ओहिना केलों.... आब हम अपना - आप के तरोताज़ा महसूस के रहल छी... हम बस किछ देर में ऑफिस पहुच रहल छी...
....आर हाँ....... अहाँ के घर बाकई मs बहुत खूबसूरत अछि.......

Read more...

Maithili Jokes - Oxford के मतलब की अछि ???

मास्टरजी संता सिंह  सँ : Oxford के मतलब की अछि ???

संता सिंह  : Ox = बरद (बैल), Ford = गाड़ी..... Oxford = बैलगाड़ी....

Read more...

Maithili Jokes - अंग्रेजी ट्रांसलेशन...

अंग्रेजी के परिक्षा में संता सिंह  "ट्रांसलेशन" के वजह सँ फ़ैल भ गेला... परिक्षा मs पूछल गेल प्रश्न आ संता सिंह द्वारा देल गेल उत्तर के किछ अंश निचा प्रस्तुत अछि.....


(१) प्रश्न : हम एक आम आदमी छी...
उत्तर :  I AM A MANGO MAN.


(२) प्रश्न : हमरा इंग्लिश आबैत अछि..
उत्तर : ENGLISH COMES TO ME.


(३) प्रश्न : हमर ताल्लुक हरिपुर हजारा सँ अछि
उत्तर :  I BELONG TO HARIPUR THOUSANDA.


(४) प्रश्न : सड़क पर गोलि चलैत अछि..
उत्तर : TABLETS ARE WALKING ON THE ROAD.

Read more...

Maithili Jokes - इ छाता कतेक के अछि ??

रमण भाय, पहिल बेर दिल्ली गेला...

दिल्ली जाय सँ पहिने हुनकर संगी सभ हुनका सिखा देलक... दिल्ली में बिना मोल भाव केना कुनू सामान नै किनब.... किएक की ओयठाम के दोकानदार सभ हर सामान के दर दुगुना बताबैत छैथ...

कनॉट प्लेस पर   रमण भाय के एक छाता पसंद भेल...


रमण भाय : इ छाता कतेक के अछि ?

दोकानदार : 200 रु के..

 रमण भाय : 100 रु में देब ?

दोकानदार : 100 बहुत कम अछि, 150 द दीअ...

रमण भाय : नै...नै आब तें हम 75 रु. देब...

दोकानदार : ठीक अछि अहन  100 द दीअ...

 रमण भाय : नै...नै... हम 50 देब...

दोकानदार (तमशा के) : मुफ्त में चाही की ???

रमण भाय : मुफ्त में यदि दुई गोट देब तें हम ल लेब.....

Read more...

Maithili Jokes - पहिने अहाँ A to Z तक सुनाबू...

बंता सिंह, जखन बच्चा रहथिन... एक दिन स्कूल में मास्टर सँ : मास्टर साहब, हम कनी बाथरूम सँ आबैत छी...

मास्टर : नै!!! पहिने अहाँ A to Z तक सुनाबू... तकर बाद जायब....

बंता सिंह : ABCDEFGHITKLMN__QRS_UVWX_Z

मास्टर : P.O.T.Y कते गेल ???

बंता सिंह : मास्टर साहब!!! ओ तें हमर पैजामा में निकैल गेल.....

Read more...

Maithili Jokes - बेटा आब हमरा दाँत तें रहल नै...

एक बुढ़िया दादी, सभ दिन संता सिंह के काजू बादाम खेबाक लेल दैत छलखिन...
संता सिंह दादी माँ, अहाँ सभ दिन हमरा एतेक काजू - बादाम किएक खुवाबे छि ???
बुढ़िया : बेटा आब हमरा दाँत तें रहल नै... चुसला के बाद फेकब ठीक नै... ताहि लेल सभ दिन अहाँ के खुवाबे छी.... 

Read more...

Maithili Jokes - आब हम बुढ भो गेलो...

डॉक्टर : अहाँ के शराब छोरे परत.... नै ते अहाँके अपन आईख सँ हाथ धोबे परत....

रोगी : डॉक्टर साहब!!! आब हम बुढ भो गेलो... ओनहियों हम सभ किछ देख चुकल छी.....

Read more...

Maithili Jokes - पीयब मज़बूरी छले...

एक शराबी शराब के नशा में रोड पर लुढ्कल छलाह....

पुलिस : अहाँ एतेक किएक पिब लेना छी ??

शराबी : की करी साहब!!! पीयब मज़बूरी छले...

पुलिस : कहेन मज़बूरी ???

शराबी : दर-असल बोतल के ठेपी हरा गेल छले...

Read more...

Maithili Jokes - एहिठाम सांप-बिच्छू कते भेटत ???

दोकानदार : माफ करब,  नशाबंदी के कारण हम अहाँ के शराब नै दे सकैत छी...
रमण  : मुदा अहाँ के अलमारी मs तें बहुत रास  शराब के बोतल  राखल अछि ???
दोकानदार : ओ हुनका लेल छैन्ह... जिनका सांप-बिच्छू कैट लेना होएँ....
रमण :  आब एहिठाम सांप-बिच्छू कते भेटत ???

Read more...

Maithili Jokes - कान पर की भेलों ???

संता के दुनु कान पर पट्टी बान्हल देखि के......

बंता : भाय इ तोहर कान पर की भेलों ???

संता : की कहियो भाय!!! जखन हम कपड़ा पर इस्तरी करैत रही... तखने फ़ोन के घंटी बाजल.. हम फ़ोन समैझ के इस्तरी कान में सटा लेलों... जाही सँ कान जैर गेल...

बंता : ओह!!! बहुत खराब भेल.... मुदा अहाँ के दोसरो कान में पट्टी बान्हल अछि... ओय में की भेल ???

संता : ओ कम्बख्त दुई मिनट के बाद फेर सँ फ़ोन लगेलक....

Read more...

Maithili Jokes - बंता सिंह आ दोकानदार...

बंता सिंह  (इलेक्ट्रिक दोकान में) : दुई गोट पंखा देब.... एक लेडिज.... दोसर जेन्स....

दोकानदार : पंखा में लेडिज आ जेन्स थोरेक न होइत छैक ???

बंता सिंह  : किएक नै होइत छैक ???? चुपचाप... एक उषा के दीअ... दोसर बजाज के.....

Read more...

Maithili Jokes - हमरा मरला २० साल भो गेल...

संता सिंह नबका घर में रहबाक लेल पहुच्ला.... अपन पडोसी के दरबाजा खटखटेलखीन.... दरबाजा खुजल...

संता सिंह : नमस्कार!!! हम अहाँ के पड़ोस बला घर किनने छी... सुनला में आयल जे एहिठाम भूतक बास छैक ???

पडोसी : हम एही विषय में किछ नै कैह सकैत छी, कारण हमरा मरला २० साल भो गेल....

Read more...

Maithili Jokes - के छी ???

एक रैत संता सिंह के घर चोर घुसी गेल... खटपट सुनी के संता सिंह के नींद खुजल...

संता सिंह : के छी ???

चोर : म्याऊँ....

संता सिंह : के छी ???

चोर : म्याऊँ....

संता सिंह : के छी ???

चोर : बताह कहिके बिलैर छी.... बिलैर.....

Read more...

Maithili Jokes - लेडिज सवारी....

एक बेर संता सिंह एक बकड़ी लs के बस पर चढला.... कंडक्टर हुनका धक्का दs के निचा उतैर देलकैन...

संता सिंह खिसया के, कंडक्टर सँ : " आय अगर संग में लेडिज सवारी नै हेतीए तखन हम अहाँ के मज़ा चखा देतो"

Read more...

Maithili Jokes - सवर करू ने ?

एक बेर एक बस के एक्सिडेंट भो गेल...

एक वृद्ध जोर - जोर सँ कानैत रहथिन.... हे!! भगवान् हमर हाथ टूटी गेल....

संता सिंह : अयो एतेक किये चिकरै छी ? सवर करू ने ? ओय सज्जन के देखू... मैर गेला... मुदा चुपचाप लेटल छैथ... एक अहाँ छी मुफ्त में चिकैर रहल छी......

Read more...

Maithili Jokes - भाय साहब रामपुर आइब गेल ?


संदीप भैया बस में सफर करैत छलाह...

संदीप भैया (कंडेक्टर सँ) : भाय साहब रामपुर आइब गेल ?

कंडेक्टर : नै एखन नै आयल....

किछ देर के बाद फेर.....

संदीप भैया : भाय साहब रामपुर आइब गेल ?

कंडेक्टर : नै एखन नै आयल....

कानी देर के बाद फेर...

संदीप भैया : भाय साहब रामपुर .................. ????

कंडेक्टर : महाराज चुप - चाप बैसल रहू ने..... रामपुर आयत तें हम अहाँ के कैह देब.......

किछ देर के बाद अचानक कंडेक्टर कs मोन परल जा.... रामपुर तें २ स्टॉप पाछे निकैल गेल.... ओ बस के घुमा के रामपुर पहुच्ला..

कंडेक्टर (संदीप भैया सँ) लिअ!!!! रामपुर आइब गेल....

संदीप भैया सरिया के बैसला.... अपन झोला सs एगो दबाई के पुरिया निकालला आ दबाई के सेवन केलाह.... आराम सs बैस रहला...

संदीप भैया ( कंडेक्टर सँ ) : भाय साहब !!!! दर असल हमर कनिया कहने रहथिन.... जखन रामपुर पहुच जायब तखन इ दबाई के सेवन क लेब.....

Read more...

Maithili Jokes - हम पेट्रोल पम्प पर छी...

संता सिंह  एक दिन पेट्रोल पम्प पर गेल....
ओहिठाम देखलक बोड पर लिखल छैक....

“DO NOT USE MOBILE PHONE HERE”.

 संता सिंह तुरंत अपन मोबाइल निकाललक... फटा - फट अपन सभ संगी के फ़ोन के कs कहे लागल.... एखन कियो हमरा फ़ोन नै करब.... हम पेट्रोल पम्प पर छी... एहिठाम मोबाइल उपयोग करब मना अछि.....

Read more...

Maithili Jokes - कहू की पिअब ? ठंढा वा गरम...

एकदिन हम कंजूस वरुण भैया के घर गेलों...

वरुण भैया : आबू... आबू... जीतू भाई... बहुत दिन के बाद आयल छी... कहू की पिअब ? ठंढा वा गरम... हम थाकल रही सोच्लो पहिने ठंढा पीबी... तकर बाद भउजीक हाथ सँ गरमा - गरम चाय पीयब....

हम कहलो भैया ठंढा आ गरम दुनु चलत.....
वरुण भैया (भउजी सँ) : यै मुनचुनिया के माय!!!!! एक गिलास फ्रीज़ के आ एक गिलास गीजर के पैन लेने आयब... जीतू भाई आयल छलाह....

Read more...

Maithili Jokes - यदि माँ के दूध पिने छी तें..

हेमानंद भाय, (प्रकाश भैया सँ) : भैया इ कहू जे सभ सँ पैघ चुनौती की अछि ????

प्रकाश भैया : परीक्षा के कॉपी मs किछ नै लिखब.... आ निचा में लिख देब जे...

"यदि माँ के दूध पिने छी तें पास के कs देखाबू"

Read more...

Maithili Jokes - पुलिस चौकी चलब की ??

अमन भाय, (नवयुवती सँ ) : चलब की ?

नवयुवती : कते ?

अमन भाय : जते अहाँ कही ?

नवयुवती : पुलिस चौकी चलब की ?

अमन भाय : लिअ!!! की हम अपन बहिन सँ मजाको नै के सकैत छी ???

Read more...

Maithili Jokes - एक लीटर आलू देब...


प्रकाश भैया अपन बालक के खरीददारी सिखाबैत रहथिन....

प्रकाश भैया, दोकानदार बनला..... आ हेमानंद भाय, खरिददार....

हेमानंद भाय : एक लीटर आलू देब...

प्रकाश भैया : बौआ!! आलू किलो में आबैत अछि...

हेमानंद भाय : अच्छा!! तें एक किलो सोना द देब....

प्रकाश भैया : बौआ!! सोना किलो के हिसाबे किनै बला चीज नै छी... ओ ते तोला के हिसाब सँ मिलैत अछि... ओयो में सोना सोनार के दोकान में मिलैत छैक....

अंत में प्रकाश भैया उगता गेला.... हेमानंद भाय सँ कहलखिन जे देखू.... अहाँ दोकानदार बनू... हम खरीददार बने छी....

प्रकाश भैया : एक किलो गहुम देब...

हेमानंद भाय : कथी में दी ? बोतल आनने छी ???

Read more...

Maithili Jokes - गब्बरसिंह आ सांभा...


गब्बरसिंह : कतेक आदमी छले ??

सांभा : सरदार २...

गब्बरसिंह : हमरा गिनती नै आबैत अछि... २ कतेक होई छैक ???

सांभा : सरदार २, १ के बाद आबैत अछि...

गब्बरसिंह : आ २ के पहिने ??

सांभा : २ के पहिने १ आबैत अछि....

गब्बरसिंह : ते बीच में के आबैत अछि ???

सांभा : बीच में कियो नै आबैत छैक...

गब्बरसिंह : तखन दुनु एक संग किएक नै आबैत अछि ???

सांभा : १ के बाद २ आइब सकैत अछि, किएक की २, १ सँ पैघ होइत अछि....

गब्बरसिंह : २, १ सँ कतेक पैघ होई छैक ???

सांभा : २, १ सँ १ पैघ होइत अछि....

गब्बरसिंह : अगर २, १ सँ १ पैघ होई छैक... तें १ सँ १ कतेक पैघ होई छैक ???

सांभा (तमसा के) : सरदार हम अहाँ के नून (नमक) खेना छी... अहाँ हमरा गोली मेर दिअ.....

Read more...

Maithili Jokes - मुर्ख अमर भाय....

 एक महिष (भैंस) के सिंग बहुत सुन्दर आ घुमावदार रहे... एक दिन अमर  भाय ओकरा देख के सोचलैथ यदि हम एही में अपन पेड़ (पांव) रैख दी ते की हेतै ???

आखिर एक दिन मुर्ख अमर भाय फैसला केलैथ... जे हेतै से हेतै... आय हम अपन पेड़ ओय में देबे टा करब.... अंततः ओ महिष के सिंग में अपन पेड़ घुसा देलैथ...

पेड़ दई के देरी की महिष फुनफुनाबैत उठल आ भागे लागल...  अमर भाय महिष के सिंग में लटकल... महिष हिनका घिसया...बैत - ओंघराबैत भागल जे रहल छले.... सभ ग्रामीण देख के अबाक..... आहिरो बाप!!!! ऐना कोना भेलाई... ???

पूरा ग्रामीण के प्रयाश सँ महिष के काबू मs करल गेल.... अमर  भाय झुला झुलैत - झुलैत बेहोश!!!!!!

जखन अमर  भाय के होश आयल तें एक वृद्ध हुनका सँ पुछलक...

राऊ अमर ऐना जे तू महिष के सिंग में अपन टांग देल्ही.... दै सs पहिने सोचलीही नै ???

अमर  भाय : हाँह!!!! अहाँ की हमरा मुर्ख बुझैत छी ??? तीन महिना सँ हम सोचैत - सोचैत तखन आय जे कs सिंग में अपन पेड़ घुसेलों.....

Read more...

Maithili Jokes - भगवान् हमरा बचा लेलैथ...

मोहन भाय के एक गधा रहे.... ओ एक दिन हरा गेल... गधा के हरेला पर मोहन भाय बहुत खुश भेला... ओ हाथ उठा उठा के भगवान् कs धन्यवाद दैत रहथिन...

अमर  भैया देखलैथ जे मोहन भाय ख़ुशी में भगवान् के धन्यवाद पर धन्यवाद दे रहल छथिन... हुनका नै रहल गेल....

अमर  भैया : रै मोहन, तोहर गधा हरेलो... तखन तू एतेक खुश किएक छी ??? देख रहल छियो भगवान् के धन्यवाद पर धन्यवाद दे रहल छिही ???

 मोहन भाय : भैया भगवान् हमरा बचा लेलैथ... ताहि लेल हम हुनका धन्यवाद दैत छी... कारण जखन हमार गधा हरायल... इ भगवान् के हमरा पर कृपा कहू जे हम गधा पर बैसल नै रही..... नै ते आय हमहूँ हरे जेतों ????

Read more...

Maithili Jokes - नाई (नौआ) के दोकान...


अमर  भैया एक नाई (नौआ) के दोकान पर गेला... आ पुछालखिन...

भाई साहब, केश कटेबाक छले.... कतेक समय लागत ???

नाई : चैर - पाँच आदमी के बाद अहिं के नंबर लागत... लगभग ३ घंटा लागत.....अमर  भैया ओहिठाम सँ चैल देला... दोसर दिन फेर ओही समय में पहुच्ला...
...
अमर  भैया : भाई साहब, केश कटेबाक छले.... कतेक समय लागत ???

नाई : तीन गोटा के केश काटला के बाद अहाँ के केश कैट देब..... अमर  भैया फेर नै रुकला चैल देला...

तीन चैर दिन के बाद फेर अमर  भैया नाई के दोकान पर पहुचला...

अमर  भैया : केश कटेबाक छले.... कतेक समय लागत ???

नाई : बैसू ने एक घंटा के बाद हमरा फुर्सते - फुरसत अछि... अहाँ के केश हम कैट देब.... अमर  भैया फेर नै रुकला... चैलते बनला....

नाई बड़ा आश्चर्य सs अपन सहयोगी सँ : मुन्ना इ आदमी सभ दिन दोकान पर आबैत छैथ... समय पुइछ के चैल जायत छैथ... आय अहाँ एकर पछा करू ते जे ई समय मुछ्लाक बाद कते जैत छैथ ????

किछ देर के बाद मुन्ना हँसैत - हँसैत वापस एला....

नाई : की भेल ??? आखिर ओ कते गेला ???

मुन्ना : अहाँ के घर!!!!

Read more...

Maithili Jokes - कनियाँ के सिटी मारैत छले..

अमित भैया एक कुकड़ खरीदलैथ..... दोसरे दिन कुकड़ दोकानदार के घुराबैक (वापस करबाक) लेल गेला...

दोकानदार : अमित भाई की भेल... कैल्हे ते अहाँ कुकड़ किनलों.... आय किएक घुराबे ऐलों ???

 अमित भैया : धुर महाराज!!!! अहाँक कुकड़ अहिं के मुबारक!!! हम एकरा बड़ा सौख सँ घर ले गेलों..... मुदा इ हमर कनिये के पछा पैर गेल.... यो जी महाराज!!! इ हमर कनियाँ के देखि कs सिटी मारैत छले.... तही लेल एकरा अहिं सम्हारु.... हमरा नै चाही....

Read more...

Maithili Jokes - एहिठाम ऐ.सी. सुविधा नै अछि...


एक बेर रमण भैया एक होटल में गेला... आ बेटर कs लागला परेशान करे....

 रमण भैया : ऐ वेटर ! चल ऐ.सी. चालू कर.... बहुत गर्मी लैग रहल अछि...

कनी देर के बाद : ऐ वेटर ! चल ऐ.सी. बंद कर... ठंढी लैग रहल अछि...
...
कनी देर के बाद फेर  रमण भैया ऐ.सी. चालू करबेलैथ... बंद करबेलैथ... इ सिलसिला लगभग एक घंटा चलल....

सीधा साधा बेटर रमण भैया के हर आज्ञा के पालन करैत छले... जे बेर कहलखिन ऐ.सी. चालू करे ओ केलक... बंद करे ओ केलक...

बगल मs एक आर ग्राहक बैसल रहथिन...  रमण भैया के व्यवहार हुनका निक नै लागल... ओ बेटर कs बजा के कहलखिन.... रोऊ!!! तू एकरा होटल सँ भागाबाई किएक नै छिही ? इ फोकट में तोरा परेसान के रहल छो ??

बेटर (हसैत-हसैत) : मालिक कुनू फर्क नै परैत अछि.... किएक की एही होटल में ऐ.सी. के सुविधा छाबे नै करे...... :))

Read more...

Maithili Shayari - हमरा सँ कियो....

हमरा सँ कियो स्नेह नै करैत छैथ,
हमर कियो बाट नै ताकैत छैथ,
जितू फूलक संग लागल ओ काँट छी,
जिनका पर कियो एतबार नै करैत छैथ!

Read more...

Maithili Shayari - अहाँक प्रीत पर...

अहाँक प्रीत पर भरोस अछि हमरा,
मुदा तैयो अहाँ के जुबान पर,
सदिखन अपन नाम देखि,
करबाक अछि ते किछ एहेंन करू,
की अहाँक दिल में उतैर कs हम अपन मंजिल देखि!

Read more...

Maithili Shayari - जिनगी हुनके...

जिनगी हुनके अजमाबैत अछि,
जे सभ राह पर चलब जानैत छैथ,
किछ पेला पर हर कियो खुश होइत छैथ,
असल जिनगी हुनकर कहू....
जे सभ किछ हरेलो पर मुस्कुराबैत छैथ!

Read more...

Maithili Shayari - लोग सभ बाजैत छैथ...

लोग सभ बाजैत छैथ,
जिनका सँ हम प्रीत करैत छी,
ओ एक चंदा के टुकरा छली,
मुदा हुनका सभ कs की मालूम,
जिनका सँ हम प्रीत करैत छी,
चंदा हुनकर एक टुकर अछि!

Read more...

Maithili Shayari - खोजब अहाँ तें...

खोजब अहाँ तें कियो मिल जेता,
मुदा हमरा जोका अहाँकें के सतेता,
मानलों कमी नै अछि अहाँकें संगतुरियाक,
मुदा "जितू" कें जगह कियो कोना लs लेता!

Read more...

Maithili Shayari - रैतक खामौशी...

रैतक खामौशी रास नै आबैत अछि,
हमर छाहों हमरा पास नै आबैत अछि,
आबैत अछि खाली याद अहिं कें,
जे एलाक बाद कखनो हमरा सँ दूर नै जायत अछि!

Read more...

Maithili Shayari - एक नजरक आस....

एक नजरक आस में रैह जायब,
ऐना नै देखू हमरा देखते रैह जायब,
बेझिझक कहू जीतू सँ अपन हाल-ए-दिल,
सोचब तें जिनगी भैर सोचते रैह जायब!

Read more...

Maithili Shayari - दिल के पास मs...

दिल के पास मs अहाँकें घर बने लेलों,
ख्वाब में अहाँकें हम बसे लेलों,
जून पुछू कतेक "जितू" चाहैत छैथ अहाँ कें,
अहिंक सभ खता कs हम अपन मुकद्दर बने लेलों!

Read more...

Maithili Shayari - गम कें गमसँ...

गम कें गमसँ गुजारिस होइत अछि,
ख़ुशीसँ गम कें सिफारिस होइत अछि,
असगर में बैस कs याद करब अपन कें,
फेर देखब आईख सँ कोना बारिश होइत अछि!

Read more...

Maithili Shayari - चंदा सँ बनल अछि....

चंदा सँ बनल अछि चांदनी रैत,
दिल सँ बनल अछि मोहब्बत के बात,
आब एके गोट अरमान अछि दिल में,
सदा बनल रहे अहाँक - हमर - साथ!

Read more...

Maithili Shayari - जखन रैत कs याद...

जखन रैत कs याद हुनकर आबैत अछि,
चंदा - तारा में हुनकरे फोटो नज़र आबैत अछि,
खोजैत छले निगाह ओय प्रियतम कें,
याद मs जिनकर भोर भोs जायत अछि!

Read more...

Maithili Shayari - दर्दक दिबार पर...

दर्दक दिबार पर फरियाद लिखल करै छी,
सभ रैत असगरे मs आबाद करै छी,
हे भगवान् हुनका अहाँ खुश राखब,
जिनका हम अहूँ सs बेसी याद करल करै छी!

Read more...

Maithili Shayari - हमर कहानी...

हमर कहानी हमर खिस्सा छी अहाँ,
हमर साँस हमर दुनियाँ छी अहाँ,
अहाँ कें कोना हम बिसैर जाऊ,
हमर हरेक साँसक हिस्सा छी अहाँ!

Read more...

Maithili Shayari - नोरक लिखाबट कें...

नोरक लिखाबट कें अहाँ पैढ़ नै सकब,
भिजल कागज पर अहाँ लिख नै सकब,
याद आयब हम अहाँ कें बहुत,
जखन बिसैर कs हमरा अहाँ पाइब नै सकब!

Read more...

Maithili Shayari - प्रित में हमरा अहाँ...

प्रित में हमरा अहाँ,
किए ऐना बर्बाद करै छी,
नै हमरा सँ बात करै छी,
नै हमरा अहाँ याद करै छी!

Read more...

Maithili Shayari - प्रित अहाँक...

प्रित अहाँक पहचान छी हमर,
स्नेह अहाँक शान छी हमर,
जुदा भs कें अहाँ सँ कोना हम जियब,
अहाँतें अंतिम साँस तक प्राण छी हमर!

Read more...

Maithili Jokes - मुजरिम आ जज...

मुजरिम : माय - बाप, हमरा कुनू ऐहेन सजा दी... जे सभ हमरा नाम पर थू - थू करैथ..... हम जते कतो जाय सभ हमरा गैर पर्हैथ.....

जज : बरखुदार, मनमोहन सिंह के जगह अहाँ के प्रधान मंत्री बना दी ????

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP