.....

Maithili Jokes - नाई (नौआ) के दोकान...


अमर  भैया एक नाई (नौआ) के दोकान पर गेला... आ पुछालखिन...

भाई साहब, केश कटेबाक छले.... कतेक समय लागत ???

नाई : चैर - पाँच आदमी के बाद अहिं के नंबर लागत... लगभग ३ घंटा लागत.....अमर  भैया ओहिठाम सँ चैल देला... दोसर दिन फेर ओही समय में पहुच्ला...
...
अमर  भैया : भाई साहब, केश कटेबाक छले.... कतेक समय लागत ???

नाई : तीन गोटा के केश काटला के बाद अहाँ के केश कैट देब..... अमर  भैया फेर नै रुकला चैल देला...

तीन चैर दिन के बाद फेर अमर  भैया नाई के दोकान पर पहुचला...

अमर  भैया : केश कटेबाक छले.... कतेक समय लागत ???

नाई : बैसू ने एक घंटा के बाद हमरा फुर्सते - फुरसत अछि... अहाँ के केश हम कैट देब.... अमर  भैया फेर नै रुकला... चैलते बनला....

नाई बड़ा आश्चर्य सs अपन सहयोगी सँ : मुन्ना इ आदमी सभ दिन दोकान पर आबैत छैथ... समय पुइछ के चैल जायत छैथ... आय अहाँ एकर पछा करू ते जे ई समय मुछ्लाक बाद कते जैत छैथ ????

किछ देर के बाद मुन्ना हँसैत - हँसैत वापस एला....

नाई : की भेल ??? आखिर ओ कते गेला ???

मुन्ना : अहाँ के घर!!!!

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP