.....
Lovers Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Lovers Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

Maithili Jokes - ओकरे देखैत - देखैत परीक्षा मs हम फैल भो गेलो ..

अभिषेक भाय के बाबूजी, अभिषेक भाय सँ : रे डपोटसंख कने देख ... देख ....देख .... ओय लड़की कs ... ओ तोरे संग पढैत रहो ... ओ परीक्षा मs  सर्वप्रथम आयल छै ....

अभिषेक भाय (मुह लटका कs) : देख .... देख .... देख ... की देखू ??? 

ओकरे देखैत - देखैत परीक्षा मs  हम फैल भो गेलो ....

Read more...

Maithili Jokes - हम दुनु शादीशुदा छि ...

एक दिन चन्दन भाय अपन प्रेमिका के संग पार्क मs बैह म s बैह डाइल कs किछ रोमानी गप करैत छलाह ... एतबे मs एक हवलदार किम्हरो सँ हुनका लग पहुचल ...

हवलदार, चन्दन भाय सँ : अहाँ कs एको मिसिया लाज नै होइत अछि .... एक समझदार आदमी भs कs खुलेआम पार्क मs एहेन हरकत के रहल छि ??

चन्दन भाय : देखू हवालदार साहब अहाँ गलत समैझ रहल छि .... जे अहाँ बुइझ रहल छि एहेन कुनू गप नै अछि ...

हवलदार : तखन ?

चन्दन भाय : जी, हम दुनु   शादीशुदा छि ...

हवलदार : जखन शादी शुदा छि तखन इ प्यार के गुटरगू अपन घर पर किये ने करैत छि ?

चन्दन भाय :  हवालदार साहब, घर पर के तs लेंतो .... मुदा ओता हमर कनियाँ आ हिनकर पतिदेव कs शायद निक नै लागतैन ....  

Read more...

Maithili Jokes - दुई घंटा मs खाख पहाड़ चढ़ब ???

अभिषेक भाय, आ हुनकर गर्लफ्रेंड दुनु गोटा पहाड़ के सफर पर निकलला ....

पहाड़ चढाईत - चढाईत रैत भो गेल तें ... दुनु गोटा एक जगह विश्राम लेल रुकला ....

रैत कs जखन दुनु गोटा सुते लागला तें अभिषेक भाय अपना आ अपन गर्लफ्रेंड के बिच मs एक तकिया रैख देलखिन जे कही अनजान मs किछ गलती नै भs जाय ....

भोर होइते अभिषेक भाय धरफरा कs उठला आ अपन गर्लफ्रेंड सँ कहलखिन ....

अभिषेक भाय : झब दके उठू आ चलाई के तैयारी करू ... दुई घंटा मs पहाड़ के सिखर पर चैढ़ जेबाक अछि ...

अभिषेक भाय के गर्लफ्रेंड : अहाँ खाख पहाड़ पर चढ़ब ....... भैर रैत मs एक तकिया तें पारे नै के पेलाहू .... आ दुई घंटा मs खाख पहाड़ चढ़ब ??? 

Read more...

Maithili Jokes - आंहक सूट बड नीक अछि.....

चन्दन जी के ऑफिस में एकटा लड़की काज करैत रहै.. 
एक दिन चन्दन जी ओइ लड़की स - आंहक सूट बड नीक अछि! 

लड़की - थैंक्स...
चन्दन जी - आंहक मेकप सेहो बड नीक अछि !

लड़की - थैंक्स... 
चन्दन जी - अंहक कानक बाली सेहो बड निक अछि !

लड़की - थैंक्स भाईजी !

चंदन जी - तैयो आन्हा सुन्दर नहीं लगी रहल छि ! खबासनी जेना बुझा रहल छी !

Read more...

Maithili Jokes - बैटरी लो...

चन्दन भाई के होई बाली कनियाँ, चन्दन भाई सँ : हमर मोबाईल सदीखन हमर माताजी के पास मs रहैत अछि |

चन्दन भाई : जखन हम अहाँकें फ़ोन करैत छि, तें अहाँ पकरल नै जैत छि ??

चन्दन भाई के होई बाली कनियाँ : नै | किएक जे हम अहाँके नंबर कs "बैटरी लो" के नाम सँ सेव केना छि| जखन - जखन अहाँ फ़ोन करैत छि माताजी मोबाईल कs चार्जिंग मs लगे दैत छथिन |

Read more...

Maithili Jokes - लोफर और ऑफर में की अंतर ?

प्रभाकर मुरारी स : लोफर और ऑफर में की अंतर या बताबु ?

मुरारी : सीधा अंतर या प्रभाकर जी अगर कोनों लड़का आई लव यू कहेत या त ओकरा हम लोफर कहेत छी, अगर    कोनों लड़की आई लव यू कहेत या त ओकरा हम ऑफर कहेत छी

Read more...

Maithili Jokes - घंटी नै मैर सकैत रही ?

अमित भाय साइकिल पर बज़ार जैत रहथिन...

रास्ता में एक नवयुवती के साइकिल सँ ठोकर मैर देलखिन...

नवयुवती (तमसा के) : घंटी नै मैर सकैत रही ??

अमित भाय : पूरा साइकिल ते मैर देलो... घंटी की अलग सँ मैरतो ???

Read more...

Maithili Jokes - फेर की भेल ???

राजनारायण जी : की कही भाई कैल्ह हमर एगो संगी हमर मोबाइल सs हमर गर्लफ्रेंड के नंबर चुरा लेलक.....

हेमानंद जी : फेर की भेल ???

राजनारायण जी : बेवकूफ कैल्ह रैत सs खुद के बहिन के रोमांटिक संदेश भेज रहल छैक....

Read more...

Maithili Jokes - हमहूँ एक चुम्मा लेबाक इच्छुक छी...

रमण भाय, आ हुनकर गर्लफ्रेंड एक बगीचा में बैसल रहथिन.....

नजदीक में एक कुत्ता कुत्तीया कs चुम्मा लैत रहे....

रमण भाय, अपन गर्लफ्रेंड सँ : जानू.... अगर अहाँ गुस्सा नै करी तें.... हमहूँ एक चुम्मा लेबाक इच्छुक छी...

गर्लफ्रेंड : ठीक अछि.... हमरा कुनू एतराज़ नै... बस ध्यान राखब... कही कुत्तीया कैट ने लिए ????

Read more...

Maithili Jokes - बहुत निक ड्रेस पहिरने छी...

फेकन बाबू, राह चलैत एक युवती सँ : बहुत निक  ड्रेस पहिरने छी...

युवती : सच  .....

फेकन बाबू : लिपस्टिक सेहो बड्ड निक अछि....

युवती : धन्यवाद....

फेकन बाबू : मेकअप सेहो निक केना छी ..♥ .. ♥ ..♥ ..

युवती : धन्यवाद!!! भैया.....

फेकन बाबू : कमाल अछि.... तैयो लागे छी बनरी ज़ोका.....

Read more...

Maithili Jokes - ऐना किएक देखैत छि?

रमण बाबू आर  हुनकर प्रेमिका.... एक प्लेट में सेवपुरी  खैत रहैथ....एक दोसर  के आइख में आइख डाइल के....

रमण बाबू,  सरमैत कहलखिन ऐना किएक देखैत छि?


हुनकर प्रेमिका; कनी स्थिर स खाऊ न भिखारी जेका किएक खाई छि....

प्रस्तुतकर्ता : आशुतोष ठाकुर, दरभंगा, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - हम सीट पर नै पापा के गोद में बैठल रही....

एक बच्चा  अपन माँ से : माँ आई सुबह जखन हम पापा के साथ बस में अबैत रही , तखन पापा एक टा औरत के लेल हमरा से अपन सीट छोड़ के लेल कहला....

 
माँ  : बाऊआ इ त नीक बात ने पापा कहला , अपन से बड़का के सम्मान करs के चाही...

बच्चा  : मुदा माँ , हम सीट पर नै पापा के गोद में बैठल रही...

प्रस्तुतकर्ता : राजनारायण झा, समस्तीपुर, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ इ की केलों ?

एक टा दिलफेंक आशिक राह चलैत एल युवती कs सरेआम चुम्मा ल लेलखिन...

युवती : अहाँ इ की केलों ?

युवक : एकरा कहे छैक डायरेक्ट मार्केटिंग... बुझलो ??

युवती फटाक सs युवक के कालर पकरलक... चटाक - चटाक दुनु गाल पर थापर देलक....

युवक : अहाँ इ की केलों ?

युवती : एकरा कहे छैक कस्टमर फीडबैक..... बुझलों ???

Read more...

Maithili Jokes - एखन त हम पैखाना क रहल छि..

सुरेंदर बाबु अपन गर्लफ्रेंड सँ :- जं आन्हा सुतल छि त अपन स्वप्पन भेजू....

जं जागल होई त अपन याद भेजू...

जं कानैत होई त अपन नोर भेजू ......!

हुनकर गर्लफ्रेंड :- मुदा एखन त हम पैखाना क रहल छि ...........!

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ स्कूल किएक आबैत छी ???

मास्टर, रमण जी  सँ : अहाँ स्कूल किएक आबैत छी ???

रमण जी : विद्या के खातिर सर...

मास्टर : तखन सुतल किएक छी ???

रमण जी : किएक की आय विद्या नै आयल छली....

Read more...

Maithili Jokes - मारू इ कमीना के....

एक औरत अपन आशिक  के संग बगीचा में घुमैत रहथिन....

एतबे में हुनकर पतिदेव ओहिठाम आइब गेला.... आ लागल आशिक कs पीटे....

औरत :  मारू!! मारू इ गधा के.... अपन गर्लफ्रेंड के तs बगीचा में घुमैबते नै छैथ.... आ दोसर के कनिया के बगीचा में घुमाबैत छैथ...

एतबे में आशिक  के जोश बढ़ल... आ ओ औरत के पति कs पीटे लागला.....

औरत :  मारू!! मारू इ कमीना के : नै इ खुद बगीचा घुमाबैक लेल ल जायत छैथ.... नै दोसर के घुमाबे देथिन......

Read more...

Maithili Jokes - जल्दी सँ "आई लव यु" कहू...

मास्टर, चन्दन जी सँ : एक सुन्दर लड़की के अहाँ कोना प्रपोज करब ???

चन्दनजी : नाह (नाव) में हुनका बैसा कs समुद्र के बीच में गेला के बाद कहब जल्दी सँ "आई लव यु" कहू नै तें नाह पर सँ उतरु....

Read more...

Maithili Jokes - एक ऐहेन बेवकूफ चोर!!

रमेश अपन गर्लफ्रेंड सँ : अगर हम अहाँ के चुम्मा ल ली तें अहाँ हमरा की कहब ???

गर्लफ्रेंड : एक ऐहेन बेवकूफ चोर!! जे पूरा गाड़ी चोरी कs सकैत छलाह... मुदा एक टायर चोरा के संतोष क लेला....

Read more...

Maithili Jokes - कतेक पाई उड़ा कs एला ???

एक दिन कंजूस रमण भाय के छोट भाई... अपन गर्लफ्रेंड संग घुमबाक लेल गेला.... रमण भाय के जखन पता चलल... भाय के एला पर...

रमण भाय  : लाट साहब!! कतेक पाई उड़ा कs एला ???

हुनकर भाय : भैया मात्र “ढाई सौ.”

रमण  भाय “ढाई सौ.” के नाम सुइन के नाराज़ भो गेला... आ अपन छोट भाई के गरियाबे लागला...

हुनकर भाय : आर की करतो भैया ??? हुनका लग बस एतबे छले......

Read more...

Maithili Jokes - पाँच टका किएक ??

रामनारायण  भाय, अपन गर्लफ्रेंड के चुम्मा लैत छलाह... एतबे में गर्लफ्रेंड के छोट भाई इ सभ देख लेलक... रामनारायण भाय घबरा गेला जे कही ओ सभ के बता नै दैथ.....

रामनारायण भाय, गर्लफ्रेंड सँ : बौआ के पाँच गो टका द दैत छी.... ताकि ओ किनको लग किछ बाजैत नै.....

गर्लफ्रेंड : पाँच टका किएक ?? सुरुवे सँ ओ इ काज दुई टका में करे छले......

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP