.....

Maithili Jokes - एहेन कनियाँ नशीबे बला कs भेटैत छैन्ह....

१५ (पंद्रह) बरख वैवाहिक जिनगी बितेलाक बाद मुकेश विरेन्द्र झा जी के मोन आखिर काल अपन धर्मपत्नी गुलाबो देवी सs तलाक लेबाक बनल...


मुकेश विरेन्द्र झा जी, पहुच्ला वकील (प्रफुल) भैया लग....


मुकेश विरेन्द्र झा जी : वकील साहब, हम अपन कनियाँ सँ तलाक चाहैत छि...


प्रफुल भैया (वकील साहब) : आखिर की भेल जे अहाँ विवाहक पंद्रह साल बाद तलाक चाहैत छि ??


मुकेश विरेन्द्र झा जी : की कही, पिछला एक बरख सs ओ हमरा सँ गप (बात - चित) नै करैत छली...


प्रफुल भैया (वकील साहब) : देखू हम तें कहब अहाँ एक बेर फेर सs सोइच लीअ.... किएक जे एहेन कनियाँ नशीबे बला कs भेटैत छैन्ह....

Read more...

Maithili Jokes - शेरक आईख मs मैट तें अहाँ देना छि....

चन्दन भाई आ अभिषेक भाई दुनु गोटा एक जंगल मs घुमैत छलाह...

एतबे मs एक शेर हिनका दुनु दिस दहारैत दौरल...

चन्दन भाई झब दके एक मुट्ठी मैट (मिट्टी) शेरक आईख मs दैत परेला आ अभिषेक भाई कs सेहो कहलखिन..... भागु भाई..... भागु.....

अभिषेक भाई : हुंह| हम किएक भागब ?? शेरक आईख मs मैट तें अहाँ देना छि....

Read more...

Maithili Jokes - बेसी बाजला सs उमर बहुत कैम जैत छैक..

मुकेश विरेन्द्र झा जी (अपन कनियाँ गुलाबो देवी ) सँ : अरे भागवान..... सुनैत छी ? डॉक्टर सबहक कहब छैन्ह जे बेसी बाजला सs उमर बहुत कैम जैत छैक इ

गुलाबो देवी : आब तें अहाँकें विश्वास भो गेल..... जे हमर उमर पैंतालीस सs कैम कs पच्चीस कोना भो गेल ???

Read more...

Maithili Jokes - पियास नै लागल अछि.....

मुकेश विरेन्द्र झा जी अय जेष्ठक दुपहरिया में हकासल - पियासल घर पहुच्ला, हुनका पैनक बहुत जोर तरास लागल रहैंन...

मुकेश विरेन्द्र झा जी : अपन कनियाँ सँ : यै गुलाबो, सुनैत छी ? झब दके एक गिलास पैन लेना आयब...

गुलाबो (मु. वि. झाजी के कनियाँ) : हसैत - हसैत... अयो.... अहाँकें पियास लैग गेल ??

मुकेश विरेन्द्र झा जी : नै..... नै.... पियास नै लागल अछि कनी गर्दैन के जाँच करबाक अछि जे कतो लिकेज़ ता नै अछि....

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP