.....

ठंढी बहुत बैढ़ गेल अछि ....

जेना की सब गोटा बुझैत छि चन्दन भाय के किछे दिन पहिने बियाह भेल छैन्ह .... 


बियाह के किछ दिनक बाद चन्दन भाय वापस अपन कर्मस्थल (जते नौकरी करैत छैथ) पहुच गेला ... हुनकर पाछे - पछा ठंढीक मौसम सेहो आइबगेल ... ठंढीक मौसम कs देखैत चन्दन भाय अपन बाबूजी कs एक पाती (चिट्ठी) भेजला ...

पाती  एही प्रकारे चहक ..

परम पूज्यनीय बाबूजी सादर प्रणाम,

बांकी हाल समाचार लिखलाक बाद ..................................... बाबूजी अहाँ तें जनैत छि जे ठंढी के मौसम आइब गेल अछि ? यदि अहाँ हमर "W ife" कs किनको संगे भेज देतों तें बड्ड निक हेतीय ..... 

चन्दन भाय एम्हर पाती भेजल्खिन आ ओम्हर हुनकर बाबूजी क पाती मिल गेल ....

बाबूजी पाती कs बरा ध्यान सs पढलखिन .... हुनका सब गप समझ मs आइब गेलैन सिवा "Wife" के .... बाबूजी अपन दिमाग पर बहुत जोर देलखिन ... मुदा जखन हुनका नै बूझायल जे "Wife" के मतलब की होइत अछि ते ओ दलान पर बैसल अपन तास पार्टनर सँ : रोऊ तोरा मs सs कियो हमरा इ पाती के मतलब बुझा  दे ?

किनको नै पता चलल जे "Wife" के मतलब की होइत अछि ? एतबे मs संयोग सँ प्रकाश भैया ओही दके जायत छलाह ..... चन्दन भाय के बाबूजी रोंऊ प्रकाश इ कने हमरा इ "Wife" के मतलब बुझे दे नs ?

प्रकाश भैया ध्यान सs पाती पढलाक बाद .... काकाजी "Wife" के मतलब होइत अछि "कम्बल" चन्दन जी लिखला हैं जे ओहिठाम ठंढी बहुत बेसी पैर रहल अछि ताहि लेल हुनका लेल किनको मार्फ़त कम्बल भेज दीयोंन .....   

चन्दन जी के बाबूजी सोचला जल्दी सँ चन्दन कs जबाब भेज देबाक चाही .... ओ कागज - कलम ले कs  बैस रहला ...

ओ जे पाती लिखाल्खिन ओकर वर्णन निचा देखू .....

प्रिय बेटा चन्दन,
शुभ आशीर्वाद,

तोहर पाती हमरा मिलल जकरा पढ़ला के बाद तें तोहर माय बैस कs काने लागली ....

आगा समाचार इ जे तू जे "Wife" भेजबाक लेल कहले तें बेटा अपन घर मs एखन एके गोट नबका "Wife" छो जकरा बेरा - बारी  उपयोग के कs हम सभ अपन ठंढी भगाबैत छि .....  बेटा तू एहेन कर ओहिठाम एक गोट नबका "Wife" के व्यवस्था के ले आ इ "Wife" हमरे सभ लेल एय ठाम  छोइर दे ...

_____तोहर बाबूजी 

किछ दिनक बाद ओ पाती चन्दन भाय कs मिलल .... चन्दन भाय पाती पैढ़ते "इ बुढ्बा कs बुरहारी मs फलहारी सुझैत छैन" लागैत छल बुढ्बा सठिये गेल छैथ ....

दोसरे दिन चन्दन भाय गाम पहुच्ला आ अपन "Wife" कs ले एला ........

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP