.....

एकर मतलब ई सभ बच्चा अहि के छी

प्रकाश भैया पटना सs एक एहेन कुत्ता (कुकुड़) किन कs आनलखिन जे अगबे सुईघ कs अप्पन मालिक के सभ रिश्तेदार - नातेदार कs चिन्ह जायत रहे।

कुत्ता कs घर पर आनैते प्रकाश भैया कुत्ता कs हुकुम देलक "जो स्कूल फुलचनमा (प्रकाश भैया के सुपुत्र) के छुट्टी के समय भs गेल छै ओकरा ले आ"

कुत्ता तुरंत स्कूल दिस दौरल। कुत्ता कs गेला बहुत देर भो गेल मुदा कुत्ता वापस नै आयल।

ई देखि प्रकाश भैया बहुत चिंतित भो गेला। प्रकाश भैया कs चिंतित देख फूलवती भौजी (प्रकाश भैया के कनियाँ) हाय तौबा - हाय तौबा करे लागली। बाद मs दुनू बेकैत कुत्ता आर अपन बेटा कs हेरैय लेल निकैल गेलखिन।

दुनू बेकैत कीछे दूर पहुँचल हेथिन की देखैत छथिन कुत्ता बच्चा के पूरा झुण्ड कs घेरना आइब रहल छै।

बच्चा सभक झुण्ड मs २ बच्चा प्रकाश भैया के नोकरनी के, ३ हुनकर पड़ोसी के, १ हुनकर साली के, १ बगल के दोकानदार के रहे आर फुलचनमा के कतो पते नै ।

फूलवती भौजी फंफनाबैत (प्रकाश भैया सँ) "तें एकर मतलब ई सभ बच्चा अहि के छी ?"

प्रकाश भैया (तमसाबैत) : ई तें हम बाद मs कहब, पहिने जबाब दिअ जे "कुत्ता अप्पन फुलचनमा कs किये नै आनलक ?"

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP