.....

अहाँ बताह तें नै भो गेल छी ?

राजनारायण भाय आईएएस केर इंटरव्यू देबा गेलाह।

राजनारायण भाय सँ पुछल गेल प्रश्न आ राजनारायण भाय के जबाब :-

(१) प्रश्न : भारत  का आजाद कहिया भेटल ?
उत्तर : प्रयाश तें बहुत पहिने भो गेल छल, मुदा सफलता १९४७ में भेटल।

(२) प्रश्न : भारत का आजादी दिलबै में महत्वपूर्ण भूमिका किनकर  छल ?
उत्तर : एहि में बहुतो रास लोग के योगदान छलैन किनकर - किनकर नाम कही ? यदि एक के नाम लेब तें आर सभ के संग अन्याय होयत।

(३) प्रश्न : भ्रष्टाचार अप्पन देश के सभ सँ पैघ दुश्मन छी ?
उत्तर : एहि पर शोध चैल रहल अछि।  सही उत्तर रिपोर्ट देखला के बादे कैह सकब।

 इंटरव्यू बोर्ड राजनारायण भाय के सही जबाब सँ बहुत खुश भेल। राजनारायण भाय का जेबाक लेल कहल गेल संगहि इ हिदायत देल गेल जे पुछल गेल सबाल बाहर बैसल दोसर सभ उम्मीदवार के नै कहब किएक जे इये प्रश्न सभ सँ पुछल जायत।

राजनारायण भाय जहिना बाहर निकलला सभ उम्मीदवार हुनका सँ पूछे लागल जे की सभ प्रश्न पुछलक ?

राजनारायण भाय कहै सा साफ मना कs देलखिन।

बगल में बैसल फुलचनमा "यौ राजनारायण भाय, प्रश्न नै कहब तें उत्तरे बता दिअ ?"

राज भाय उत्तर बते देलखिन।


आब फुलचनमा केर  इंटरव्यू के समय आयल। 

 इंटरव्यू में फुलचनमा सा पुछल जेल सवाल आ फुलचनमा द्वारा देल गेल जबाब :-

(१) सवाल : अहाँ के जन्मतिथि की भेल ?
जबाब : प्रयाश तें बहुत पहिने भो गेल छल, मुदा सफलता १९४७ में भेटल।

इंटरव्यू बोर्ड कन्फ्यूज भो के अगला सवाल पुछलक 
(२) सवाल : अहाँक बाबूजी के नाम की भेल ?
जबाब : एहि में बहुतो रास लोग के योगदान छलैन किनकर - किनकर नाम कही ? यदि एक के नाम लेब तें आर सभ के संग अन्याय होयत।

इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य हक्का - बक्का रैह गेला सभ हुनका सा पुछलक "अहाँ बताह तें नै भो गेल छी ?"

फुलचनमा : एहि पर शोध चैल रहल अछि।  सही उत्तर रिपोर्ट देखला के बादे कैह सकब।


इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य "इ पक्का नव छैथ"

Read more...

एकर मतलब ई सभ बच्चा अहि के छी

प्रकाश भैया पटना सs एक एहेन कुत्ता (कुकुड़) किन कs आनलखिन जे अगबे सुईघ कs अप्पन मालिक के सभ रिश्तेदार - नातेदार कs चिन्ह जायत रहे।

कुत्ता कs घर पर आनैते प्रकाश भैया कुत्ता कs हुकुम देलक "जो स्कूल फुलचनमा (प्रकाश भैया के सुपुत्र) के छुट्टी के समय भs गेल छै ओकरा ले आ"

कुत्ता तुरंत स्कूल दिस दौरल। कुत्ता कs गेला बहुत देर भो गेल मुदा कुत्ता वापस नै आयल।

ई देखि प्रकाश भैया बहुत चिंतित भो गेला। प्रकाश भैया कs चिंतित देख फूलवती भौजी (प्रकाश भैया के कनियाँ) हाय तौबा - हाय तौबा करे लागली। बाद मs दुनू बेकैत कुत्ता आर अपन बेटा कs हेरैय लेल निकैल गेलखिन।

दुनू बेकैत कीछे दूर पहुँचल हेथिन की देखैत छथिन कुत्ता बच्चा के पूरा झुण्ड कs घेरना आइब रहल छै।

बच्चा सभक झुण्ड मs २ बच्चा प्रकाश भैया के नोकरनी के, ३ हुनकर पड़ोसी के, १ हुनकर साली के, १ बगल के दोकानदार के रहे आर फुलचनमा के कतो पते नै ।

फूलवती भौजी फंफनाबैत (प्रकाश भैया सँ) "तें एकर मतलब ई सभ बच्चा अहि के छी ?"

प्रकाश भैया (तमसाबैत) : ई तें हम बाद मs कहब, पहिने जबाब दिअ जे "कुत्ता अप्पन फुलचनमा कs किये नै आनलक ?"

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP