.....
Drunkard Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Drunkard Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

Maithili Jokes - एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???

एक दिन भूचाल भौजी प्रफुल्ल भाईजी सँ नाराज भs गेली .... किएक जे प्रफुल्ल भाईजी सभ दिन शराब पिला के बाद देरी सs घर आबैत रहथिन ...
 
अगला साझ प्रफुल्ल भाईजी जहिना घर सs निकलला .... भूचाल भौजी हुनकर संग धे लेलखिन ...
 
भूचाल भौजी : अहाँ जते - जते जायब .... हमहूँ अहाँक संगे - संग जायब ...
 
प्रफुल्ल भाईजी सोचला .... लाफरा बढ़ेला सँ निक हिनका अपना संग धरे ली ....

दुनु प्राणी पहुच गेला बियरबार ....


प्रफुल्ल भाईजी, (भूचाल भौजी) सँ : अहाँ की लेब ?
 

भूचाल भौजी : जे अहाँ पीयब सेह हमहूँ लेब ... प्रफुल्ल भाईजी व्हिस्की के दुई पैग मंगेला .... जकरा भूचाल भौजी हैरानी सँ देखते रैह गेली ... 

प्रफुल्ल भाईजी गिलास उठेला आ एके घुट मs गर्रर गर्रर ......
 

हुनका देख कs भूचाल भौजी गिलास के एके सिप तें लेलखिन .... वे ... वे .... के कs सब टा ओछैर देलखिन ....
 

भूचाल भौजी : एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???
 

प्रफुल्ल भाईजी : देखलो ने ? अहाँ कs लागैत अछि हम सभ दिन अय ठाम मज़ा लाई लेल आबैत छि ???

Read more...

Maithili Jokes - दुनु टाइम दू -दू पैग देल करियो...

संभु जी के एक बेर बहुत जोर खांसी भगेलैन , पँहुचला कोरियाही बला ओझा जी लग नुस्खा लेबाकलेल...

संभु जी :- ओझा जी,.... कि कहू खांसी सा बहुत परेसान छि,...... किछु उपाय बताऊ ने !

ओझा जी :- साँझ आ भोर क दुनु टाइम दू -दू पैग देल करियो ने....

संभु जी :- ओही सँ कि खांसी चैल जेतेइ....

ओझा जी :- अरे हमर खेत -पथार, घर- दुवार, बैंक बैलेंस सबटा चलिगेल त फेर ई खांसी कोण बरका चीज छै ....


प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - की माजरा अछि ?

रमण भाय, बार में बहुत देर सँ बैसल पैग पर पैग देने जैत रहैथ....   हर पैग के बाद अपन पर्स मे राखल कनियाँ के फोटो देखला के बाद फेर सँ पीयब सुरु के दैत रहैथ...

हुनकर बगल के टेबुल पर चमन जी बैसल रहथिन.... रमण भाय के इ हरकत ओ बहुत देर सs देखैत रहथिन....

जखन चमन जी सँ रहल नै गेल तें ओ रमण भाय लग पहुच्ला....

चमन जी : की यो रमण भाय, की माजरा अछि ? हम देख रहल छी अहाँ एक पैग मारे छी... फेर फोटो देखै छी.... फेर पीयब सुरु के दैत छी.... आखिर की बात ??

रमण भाय : भाय राज!!! दरसल इ हमर कनियाँ के फोटो छी... जखन इ चुड़ैल खूब सुन्दर लागे लगती तखन हम घर जायब....

Read more...

Maithili Jokes - आब हम बुढ भो गेलो...

डॉक्टर : अहाँ के शराब छोरे परत.... नै ते अहाँके अपन आईख सँ हाथ धोबे परत....

रोगी : डॉक्टर साहब!!! आब हम बुढ भो गेलो... ओनहियों हम सभ किछ देख चुकल छी.....

Read more...

Maithili Jokes - पीयब मज़बूरी छले...

एक शराबी शराब के नशा में रोड पर लुढ्कल छलाह....

पुलिस : अहाँ एतेक किएक पिब लेना छी ??

शराबी : की करी साहब!!! पीयब मज़बूरी छले...

पुलिस : कहेन मज़बूरी ???

शराबी : दर-असल बोतल के ठेपी हरा गेल छले...

Read more...

Maithili Jokes - एहिठाम सांप-बिच्छू कते भेटत ???

दोकानदार : माफ करब,  नशाबंदी के कारण हम अहाँ के शराब नै दे सकैत छी...
रमण  : मुदा अहाँ के अलमारी मs तें बहुत रास  शराब के बोतल  राखल अछि ???
दोकानदार : ओ हुनका लेल छैन्ह... जिनका सांप-बिच्छू कैट लेना होएँ....
रमण :  आब एहिठाम सांप-बिच्छू कते भेटत ???

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP