.....

Maithili Jokes - २ करोर के लोटरी...

रामउदार मास्टर साहेब के लोटरी लागलैन २ करोर के.... लेकिन कियो बेटा पूतौह सब ई खबर हुनका नई सुनबैन जे कंही एतेक बुढ आदमी छैथ हार्ट -अटैक नहीं भ जाईन सुनिक...

आखिर में एगो निर्णय लेल गेल जे सहर सँ एगो निक डाक्टर के बजायेल जाय आर  ओकरा सामने में ठार क क ई खबर हुनका सुनाइल जाय... ताकि हार्ट -अटैक एला पर बचा लेल जेतैन !

डाक्टर आयल घरक लोग के कहलखिन जे आन्हा सब चिंता नहीं करू कुछी नई हुअ देबैन हम हम खुदे हुनका... ई खबर सुनेबैन

डाक्टर साहेब मास्टर जी लग गेला .......

पहिने इम्हर-उम्हर के बात क क फेर कहलखिन जे " बाबा आन्हा के नाम २ करोड़ के लोटरी लागला !

मास्टर जी :- अच्छा ! लेकिन हम ई उम्र में एतेक रुपया लाका की करब से आन्हा के आधा हम द देब........

डाक्टर साहेब एतेबा सुनैत देरी चारू- नाले चित्त भ का खैस परला आ हुनका प्राण छुइट गेलैन...

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP