.....

Maithili Jokes - इ छाता कतेक के अछि ??

रमण भाय, पहिल बेर दिल्ली गेला...

दिल्ली जाय सँ पहिने हुनकर संगी सभ हुनका सिखा देलक... दिल्ली में बिना मोल भाव केना कुनू सामान नै किनब.... किएक की ओयठाम के दोकानदार सभ हर सामान के दर दुगुना बताबैत छैथ...

कनॉट प्लेस पर   रमण भाय के एक छाता पसंद भेल...


रमण भाय : इ छाता कतेक के अछि ?

दोकानदार : 200 रु के..

 रमण भाय : 100 रु में देब ?

दोकानदार : 100 बहुत कम अछि, 150 द दीअ...

रमण भाय : नै...नै आब तें हम 75 रु. देब...

दोकानदार : ठीक अछि अहन  100 द दीअ...

 रमण भाय : नै...नै... हम 50 देब...

दोकानदार (तमशा के) : मुफ्त में चाही की ???

रमण भाय : मुफ्त में यदि दुई गोट देब तें हम ल लेब.....

1 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

Unknown 17 फ़रवरी 2013 को 1:14 pm बजे  

खूब निक लागल इ मैथली जोकक्स पैढ़ क ;

विनोद पासवान

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP