.....

Maithili Jokes - एहिठाम ऐ.सी. सुविधा नै अछि...


एक बेर रमण भैया एक होटल में गेला... आ बेटर कs लागला परेशान करे....

 रमण भैया : ऐ वेटर ! चल ऐ.सी. चालू कर.... बहुत गर्मी लैग रहल अछि...

कनी देर के बाद : ऐ वेटर ! चल ऐ.सी. बंद कर... ठंढी लैग रहल अछि...
...
कनी देर के बाद फेर  रमण भैया ऐ.सी. चालू करबेलैथ... बंद करबेलैथ... इ सिलसिला लगभग एक घंटा चलल....

सीधा साधा बेटर रमण भैया के हर आज्ञा के पालन करैत छले... जे बेर कहलखिन ऐ.सी. चालू करे ओ केलक... बंद करे ओ केलक...

बगल मs एक आर ग्राहक बैसल रहथिन...  रमण भैया के व्यवहार हुनका निक नै लागल... ओ बेटर कs बजा के कहलखिन.... रोऊ!!! तू एकरा होटल सँ भागाबाई किएक नै छिही ? इ फोकट में तोरा परेसान के रहल छो ??

बेटर (हसैत-हसैत) : मालिक कुनू फर्क नै परैत अछि.... किएक की एही होटल में ऐ.सी. के सुविधा छाबे नै करे...... :))

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP