.....

Maithili Jokes - हम दुनु शादीशुदा छि ...

एक दिन चन्दन भाय अपन प्रेमिका के संग पार्क मs बैह म s बैह डाइल कs किछ रोमानी गप करैत छलाह ... एतबे मs एक हवलदार किम्हरो सँ हुनका लग पहुचल ...

हवलदार, चन्दन भाय सँ : अहाँ कs एको मिसिया लाज नै होइत अछि .... एक समझदार आदमी भs कs खुलेआम पार्क मs एहेन हरकत के रहल छि ??

चन्दन भाय : देखू हवालदार साहब अहाँ गलत समैझ रहल छि .... जे अहाँ बुइझ रहल छि एहेन कुनू गप नै अछि ...

हवलदार : तखन ?

चन्दन भाय : जी, हम दुनु   शादीशुदा छि ...

हवलदार : जखन शादी शुदा छि तखन इ प्यार के गुटरगू अपन घर पर किये ने करैत छि ?

चन्दन भाय :  हवालदार साहब, घर पर के तs लेंतो .... मुदा ओता हमर कनियाँ आ हिनकर पतिदेव कs शायद निक नै लागतैन ....  

Read more...

Maithili Jokes - हम अन्हार मs जारैन (जलाबन) कोना फारब ??

एक मनोचिकित्सक भोरे - भोर अपन क्लीनिक पहुचल तें देखलक दुई गोट मरीज अभिषेक भाय, आ प्रफुल्ल भैया पहिने सs हाजिर छैथ ..

जाही मs पहिल मरीज "अभिषेक भाय" छत सँ उल्टा लटकल छैथ, आ दोसर मरीज "प्रफुल्ल भैया" एहेन अभिनय के रहल छैथ जेना की ओ कुड़हैर (कुल्हाड़ी) सँ जारैन (जलावन) फैर रहल छैथ .... 

डॉक्टर (प्रफुल्ल भैया) सँ : इ आदमी उल्टा किएक लटकल छैथ ?

मनोचिकित्सक के गप सुइन कs प्रफुल्ल भैया हँसैत - हँसैत : ओ बेवकूफ (अभिषेक जी) अपना आप कs समझैत छैथ जे ओ बल्ब छैथ ... 

डॉक्टर : हे भगवान्! अहाँ ओकरा जल्दी सँ निचा उतारू ....

प्रफुल्ल भैया : ओकरा हम निचा उतैर देब तें हम अन्हार मs जारैन (जलाबन) कोना फारब ??

Read more...

Maithili Jokes - अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

जज, चन्दन भाय सँ : अहाँक शिकायत  अछि जे अहाँक कनियाँ "चंद्रमुखी देवी" अहाँक ऊपर लोहिया फेकली ?

चन्दन भाय : जी हुजुर ...

जज : कतेक दिन सs ऐना अहाँक कनियाँ लोहिया - डेकची अहाँक ऊपर फेकैत छली ?

चन्दन भाय : हुजुर बियाहक बाद ... जहिया सँ हुनका हम अपना संग रायपुर आनने छि ....

जज : अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

चन्दन भाय : जी .... लगभग 5 महिना ...

जज : तें अहाँ पहिने इ शिकायत  किएक ने केलो ?

चन्दन भाय : हजूर ..... आय पहिल बेर ओकर निशान हमर कपार पर परल ....

Read more...

Maithili Jokes - दुई घंटा मs खाख पहाड़ चढ़ब ???

अभिषेक भाय, आ हुनकर गर्लफ्रेंड दुनु गोटा पहाड़ के सफर पर निकलला ....

पहाड़ चढाईत - चढाईत रैत भो गेल तें ... दुनु गोटा एक जगह विश्राम लेल रुकला ....

रैत कs जखन दुनु गोटा सुते लागला तें अभिषेक भाय अपना आ अपन गर्लफ्रेंड के बिच मs एक तकिया रैख देलखिन जे कही अनजान मs किछ गलती नै भs जाय ....

भोर होइते अभिषेक भाय धरफरा कs उठला आ अपन गर्लफ्रेंड सँ कहलखिन ....

अभिषेक भाय : झब दके उठू आ चलाई के तैयारी करू ... दुई घंटा मs पहाड़ के सिखर पर चैढ़ जेबाक अछि ...

अभिषेक भाय के गर्लफ्रेंड : अहाँ खाख पहाड़ पर चढ़ब ....... भैर रैत मs एक तकिया तें पारे नै के पेलाहू .... आ दुई घंटा मs खाख पहाड़ चढ़ब ??? 

Read more...

Maithili Jokes - नै साहब! इ तें अहाँ कs खुद करे परत...

दुई आदमी .... चन्दन भाय भाय, आ अभिषेक भाय भाय, हटिया (बजार) मs साग - सब्जी करिदला के बाद आपस मs गप करैत रहथिन ...

चन्दन भाय : यार, हमर कनियाँ बजार सs   जैविक खाद सँ  तैयार तरकारी (सब्जी) आनबाक लेल कहने छथिन ....

अभिषेक भाय : तें ...... हटिया मs अहाँ कs एहेन तरकारी भेटल ??

चन्दन भाय : की कही यार ..... हम हटिया पहुच कs एक तरकारी बला सs पूछलो ..... इ तरकारी हमरा अपन कनियाँ के लेल किनबाक अछि ... अहाँ एय मs कुनू  रासायनिक या जहरीला  पदार्थ  के छिरकाव नै ने केना छि ? 

तरकारी बला कहलक "नै साहब! इ तें अहाँ कs खुद करे परत"

Read more...

Maithili Jokes - हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

एक दिन टहलैत - टहलैत नविन जीक नज़र एक ज्योतिषी के तम्बू पर परल ...

नविनजी सोचला किएक नs किछ देर एहि ज्योतिष के संग हँसी - मज़ाक करल जाय ... नविनजी ज्योतिष के तम्बू मs घुइस गेला ...

नविनजी के तम्बू मs घुसैते भीतर बैसल ज्योतिष ....

ज्योतिष : आऊ ..... आऊ ..... हम अहाँक हाथक रेखा देख कs कैह सकैत छि जे अहाँ कs के गोट धिया - पुता अछि !

नविनजी (अपन हाथ आगा बढाबैत) : लिअ .... कहु ... हमरा के गोट धिया - पुता अछि ?

ज्योतिष (हाथ देखलाक बाद) : अहाँ कs दुई गोट  धिया - पुता अछि ...

नविनजी : अहाँ सब ज्योतिष सिर्फ पाखंडी आर ढोंगी होइत छि .... दरअसल हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

ज्योतिष (हँसैत - हँसैत) : एहेन अहाँ कs लागैत अछि .... बुझलों ?? 

Read more...

Maithili Jokes - आंहक सूट बड नीक अछि.....

चन्दन जी के ऑफिस में एकटा लड़की काज करैत रहै.. 
एक दिन चन्दन जी ओइ लड़की स - आंहक सूट बड नीक अछि! 

लड़की - थैंक्स...
चन्दन जी - आंहक मेकप सेहो बड नीक अछि !

लड़की - थैंक्स... 
चन्दन जी - अंहक कानक बाली सेहो बड निक अछि !

लड़की - थैंक्स भाईजी !

चंदन जी - तैयो आन्हा सुन्दर नहीं लगी रहल छि ! खबासनी जेना बुझा रहल छी !

Read more...

Maithili Jokes - एखन हम पैर (टांग) के बले ठाढ़ छि....

एक दिन प्रोफेसर साहब कॉलेज मs रक्त प्रवाह (ब्लड प्रेशर ) के विषय पर पढाबैत रहथिन ....

प्रोफेसर साहब : अहाँ सब जानैत छि ? यदि हम माथा के बल ठाढ़ भ जाय तें हमर खून माथा दिस तेज़ी सँ प्रवाहित हुवे लागत .... जकरा कारण सs हमर चेहरा लाल हुवे लगत ?

विद्यार्थी : जी ... प्रोफेसर साहब .....

प्रोफेसर साहब : तखन अहाँ सब एक बात कहु ... एखन हम पैर (टांग) के बले ठाढ़ छि तें हमर खून पैर दिस तेज़ी सँ प्रवाहित किएक नै होइत अछि ??

अभिषेक भाय : प्रोफेसर साहब ..... हम बताबी ?

प्रोफेसर साहब : हाँ .... हाँ ..... बताबु ?

अभिषेक भाय : किएक जे अहाँक माथा जोका अहाँक पैर (तांग) खाली नै अछि ....

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP