.....
Other Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Other Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

अहाँ बताह तें नै भो गेल छी ?

राजनारायण भाय आईएएस केर इंटरव्यू देबा गेलाह।

राजनारायण भाय सँ पुछल गेल प्रश्न आ राजनारायण भाय के जबाब :-

(१) प्रश्न : भारत  का आजाद कहिया भेटल ?
उत्तर : प्रयाश तें बहुत पहिने भो गेल छल, मुदा सफलता १९४७ में भेटल।

(२) प्रश्न : भारत का आजादी दिलबै में महत्वपूर्ण भूमिका किनकर  छल ?
उत्तर : एहि में बहुतो रास लोग के योगदान छलैन किनकर - किनकर नाम कही ? यदि एक के नाम लेब तें आर सभ के संग अन्याय होयत।

(३) प्रश्न : भ्रष्टाचार अप्पन देश के सभ सँ पैघ दुश्मन छी ?
उत्तर : एहि पर शोध चैल रहल अछि।  सही उत्तर रिपोर्ट देखला के बादे कैह सकब।

 इंटरव्यू बोर्ड राजनारायण भाय के सही जबाब सँ बहुत खुश भेल। राजनारायण भाय का जेबाक लेल कहल गेल संगहि इ हिदायत देल गेल जे पुछल गेल सबाल बाहर बैसल दोसर सभ उम्मीदवार के नै कहब किएक जे इये प्रश्न सभ सँ पुछल जायत।

राजनारायण भाय जहिना बाहर निकलला सभ उम्मीदवार हुनका सँ पूछे लागल जे की सभ प्रश्न पुछलक ?

राजनारायण भाय कहै सा साफ मना कs देलखिन।

बगल में बैसल फुलचनमा "यौ राजनारायण भाय, प्रश्न नै कहब तें उत्तरे बता दिअ ?"

राज भाय उत्तर बते देलखिन।


आब फुलचनमा केर  इंटरव्यू के समय आयल। 

 इंटरव्यू में फुलचनमा सा पुछल जेल सवाल आ फुलचनमा द्वारा देल गेल जबाब :-

(१) सवाल : अहाँ के जन्मतिथि की भेल ?
जबाब : प्रयाश तें बहुत पहिने भो गेल छल, मुदा सफलता १९४७ में भेटल।

इंटरव्यू बोर्ड कन्फ्यूज भो के अगला सवाल पुछलक 
(२) सवाल : अहाँक बाबूजी के नाम की भेल ?
जबाब : एहि में बहुतो रास लोग के योगदान छलैन किनकर - किनकर नाम कही ? यदि एक के नाम लेब तें आर सभ के संग अन्याय होयत।

इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य हक्का - बक्का रैह गेला सभ हुनका सा पुछलक "अहाँ बताह तें नै भो गेल छी ?"

फुलचनमा : एहि पर शोध चैल रहल अछि।  सही उत्तर रिपोर्ट देखला के बादे कैह सकब।


इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य "इ पक्का नव छैथ"

Read more...

पॉलिटिक्स ककरा कहैत छै ???

प्रकाश भैया के सुपुत्र, प्रकाश भैया सँ:

पापा - पापा इ "पॉलिटिक्स" ककरा कहैत छै ?

प्रकाश भैया : अहाँ के माँ घर चलबैत छथिन, हुनका सरकार मैन लिअ।

हम कमबैत छी, हमरा कर्मचारी मैन लिअ।

नोकरनी घरक काज करैत छथिन, हुनका मजदूर मैन लिअ।

अहाँ देश के जनता भेलों।

अपन छोट भाय कs दशक  भविष्य मैन लिअ।

प्रकाश भैया के सुपुत्र : आब हमरा पॉलिटिक्स खूब निक जोका बुझा जेल पापा।

एहि लेल कैल्ह राति मs हम देखलो "कर्मचारी मजदूर के संग भानस घर मs मौज करैत रहथिन"

सरकार सुतल रहे।

जनता के किनको कुनु चिंते नै, आर दशक भविष्य कनैत रहे। 

Read more...

डॉ. मनमोहन सिंह के भाषण ...

डॉ. मनमोहन सिंह भाषण दैत रहथिन, ओहि मs ओ एक खीसा सुनेलखिन :-

एक आदमी के तीन गोट बेटा रहे।  ओ आदमी अपन तीनो बेटा कs १००-१००  टक्का देलक आ कहलक जे बज़ार सs कुनु एहेन चीज किन आनू जाहि सs पूरा घर भैर जाय।

पहिलुक बेटा १०० टक्का के घास किन आनलक, मुदा घर नै भरल....

दोसर बेटा १०० टक्का के रुइया किन आनलक ओहियो सs घर नै भरल ...

तेसर (सभ सँ छोट) बेटा १ टक्का के मोमबत्ती आनलक जाहि सs पूरा घर प्रकाशित भो गेल।

आगा मनमोहन सिंह : अप्पन राहुल जी ओहि तेसर बेटा के समान छैथ।  राहुल जी जाहि दिन सँ राजनीती मs टांग राखला अप्पन देश उज्जवल प्रकाश आर  समृद्धि सs जगमगा रहल अछि।

ताबे मs पाछा सs अरविन्द केजरीवाल के आवाज आयल : "बांकी के ९९ टक्का की भेल ?" 

Read more...

कौन बनेगा कड़ोड़पति मs सोनिया गांधी...

कौन बनेगा कड़ोड़पति (KBC) मs सोनिया गांधी के हजार - दस हजार, लाख - दस लाख, कड़ोड़ के सीढ़ी पार करबाक बाद :-

अमिताभ बच्चन : सोनियाजी, आब अंतिम सवाल ५ कड़ोड़ के अपनेक स्क्रीन पर उपलब्ध अछि।

गुजरातक मुख्यमंत्री के छैथ ?

 क) लालू प्रसाद
ख) विलासराव देशमुख
ग) अर्जुन सिंह
घ) नरेन्द्र मोदी 

सोनिया गांधी : नरेन्द्र मोदी।

अमिताभ बच्चन : अहाँ कs पूरा विश्वास अछि ?

सोनिया गांधी : १०१ टक्का

अमिताभ बच्चन : तें की हम नरेंद्र मोदी कs लॉक के दी ?

सोनिया गांधी : अहाँ हुनका लॉक तें करू बदला मs हम अहाँ कs १०० कड़ोड़ नगद टक्का देब। 

Read more...

Maithili Jokes - तोहार मेहरारू (कनियाँ) के पहिल भतार...

नविनजी चिड़ियाँ घर मs एक तीन भाषा बाजै बला तोता (पोपट) देखलखिन ... जे अंग्रेजी, हिन्दी आ भोजपुरी भाषा बाजैत रहे ...

नविन भाय सोचला एही तोता के तीनो भाषा के जाँच करबाक चाही ....

नविन भाय (तोता) सs : हु आर यु ?

तोता : आई एम पैरोट 

नविन भाय : तुम कौन हो ?

तोता : मैं तोता (पोपट) हूँ!

नविन भाय : तू के बाड़े ?

तोता (खिसिया) कs : तोहार मेहरारू (कनियाँ) के पहिल भतार ....एक बेर बता देहली ता बेर - बेर काहे लs पूछत हौवे ?   

Read more...

Maithili Jokes - अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

जज, चन्दन भाय सँ : अहाँक शिकायत  अछि जे अहाँक कनियाँ "चंद्रमुखी देवी" अहाँक ऊपर लोहिया फेकली ?

चन्दन भाय : जी हुजुर ...

जज : कतेक दिन सs ऐना अहाँक कनियाँ लोहिया - डेकची अहाँक ऊपर फेकैत छली ?

चन्दन भाय : हुजुर बियाहक बाद ... जहिया सँ हुनका हम अपना संग रायपुर आनने छि ....

जज : अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

चन्दन भाय : जी .... लगभग 5 महिना ...

जज : तें अहाँ पहिने इ शिकायत  किएक ने केलो ?

चन्दन भाय : हजूर ..... आय पहिल बेर ओकर निशान हमर कपार पर परल ....

Read more...

Maithili Jokes - हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

एक दिन टहलैत - टहलैत नविन जीक नज़र एक ज्योतिषी के तम्बू पर परल ...

नविनजी सोचला किएक नs किछ देर एहि ज्योतिष के संग हँसी - मज़ाक करल जाय ... नविनजी ज्योतिष के तम्बू मs घुइस गेला ...

नविनजी के तम्बू मs घुसैते भीतर बैसल ज्योतिष ....

ज्योतिष : आऊ ..... आऊ ..... हम अहाँक हाथक रेखा देख कs कैह सकैत छि जे अहाँ कs के गोट धिया - पुता अछि !

नविनजी (अपन हाथ आगा बढाबैत) : लिअ .... कहु ... हमरा के गोट धिया - पुता अछि ?

ज्योतिष (हाथ देखलाक बाद) : अहाँ कs दुई गोट  धिया - पुता अछि ...

नविनजी : अहाँ सब ज्योतिष सिर्फ पाखंडी आर ढोंगी होइत छि .... दरअसल हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

ज्योतिष (हँसैत - हँसैत) : एहेन अहाँ कs लागैत अछि .... बुझलों ?? 

Read more...

Maithili Jokes - एखन हम पैर (टांग) के बले ठाढ़ छि....

एक दिन प्रोफेसर साहब कॉलेज मs रक्त प्रवाह (ब्लड प्रेशर ) के विषय पर पढाबैत रहथिन ....

प्रोफेसर साहब : अहाँ सब जानैत छि ? यदि हम माथा के बल ठाढ़ भ जाय तें हमर खून माथा दिस तेज़ी सँ प्रवाहित हुवे लागत .... जकरा कारण सs हमर चेहरा लाल हुवे लगत ?

विद्यार्थी : जी ... प्रोफेसर साहब .....

प्रोफेसर साहब : तखन अहाँ सब एक बात कहु ... एखन हम पैर (टांग) के बले ठाढ़ छि तें हमर खून पैर दिस तेज़ी सँ प्रवाहित किएक नै होइत अछि ??

अभिषेक भाय : प्रोफेसर साहब ..... हम बताबी ?

प्रोफेसर साहब : हाँ .... हाँ ..... बताबु ?

अभिषेक भाय : किएक जे अहाँक माथा जोका अहाँक पैर (तांग) खाली नै अछि ....

Read more...

Maithil Jokes - की कही भाय आय के दिने खराब अछि ...

अभिषेक भाय, पेप्सी के एक बोतल बगल मs लेना ....  रोडक किनारा मs मुंह लटका कs बैसल रहैथ ....  

एतबे मs विघनेश मिश्र जी उम्हर सँ गुजर्ला ...... विघनेश जी अभिषेक भाय कs उदास बैसल देख कs रुकला .... अभिषेक भाय लग सैट कs बैस रहला ... अभिषेक भाय के पेप्सी से बोतल मुंह सँ लगा कs गटागट मारला के बाद .....

विघनेश मिश्र : की भेल भाय ..... ऐना मुंह लटका कs किये बैसल छि ???

अभिषेक भाय : की कही भाय ...... आय के दिने खराब अछि .... भोरे - भोर गर्लफ्रेंड सs झगरा भो गेल ... ऑफिस लेल निकललो तें रास्ता मs मोटरसाइकिल खराब भो गेल ... ऑफिस देरी सँ पहुचलो तें सार बॉस नौकरी सs निकैल देलक ..... आब आत्महत्या करबाक लेल पेप्सी मs जहर मिलेलों ओहो अहाँ पिब गेलो ....... 

Read more...

Maithili Jokes - ओ कहियो रेलगाड़ी के टक्कर नै देखने छै .....

रेलवे के मौखिक परीक्षा मs परीक्षा देबाक लेल विघनेश जी पहुचला .....

 परीक्षक, विघनेश जी सँ : यदि दुई गोट रेल गाड़ी एक पटरी पर आइब जेत तें अहाँ की करब ?

विघनेश जी जी, रेड लाइट देखेब !

परीक्षक रेड लाइट नै रहल तखन ?

विघनेश जी : जी, टार्च देखेब !

परीक्षक : यदि टार्च सेहो अहाँ लग नै रहल तखन ?

विघनेश जी : अपन ललका कमीज़ उतैर के देखा देब !

परीक्षक : यदि ओय दिन अहाँ ललका कमीज़ नै पहिरने रही तखन ?

विघनेश जी : तखन हम तुरंत अपन भागिन कs बजे लेब ....

परीक्षक : भागिन कs ? किये ???

विघनेश जी : किएक जे ओ कहियो रेलगाड़ी के टक्कर नै देखने छै .....   

Read more...

Maithili Jokes - की-बोर्ड के एल्फाबेट्स क्रम मs नै रहे..

अभिषेक भाय के नव - नव नौकरी लागल ..... पहिल दिन अभिषेक भाय देर रैत तक काज करैत रहला  ..... भैर रैत अभिषेक  भाय के टेबुल पर सँ  खटर-पटर के आवाज़ आबैत रहल ....

अभिषेक भाय के बॉस अभिषेक भाय सँ बड्ड खुश भेलखिन .....

अगला दिन अभिषेक भाय के बॉस अभिषेक भाय कs  अपन केबिन मs बजेलक .....

बॉस : कैल्ह अहाँ देर रैत तक काज करैत रहलो ....  पहिले दिन अहाँ एतेक कुन काज करैत रही ??

अभिषेक भाय : किछ बेसी नै सर, दरअसल की-बोर्ड के एल्फाबेट्स क्रम मs नै रहे .... ओकरे हम ठीक करैत रही ..

Read more...

Maithili Jokes - कियो ऊपर सँ टेंट उठा कs ले गेल ..

दुई गोट  नंगोटिया यार प्रकाश भैया, आ प्रफुल्ल भैया एक लम्बा सफर पर जैत रहैथ ... रास्ता मs रैत भो गेला पर दुनु आदमी टेंट लगा कs सुइत रहला ....

आधा रैत कs प्रकाश भैया के नींद खुजल .... प्रकाश भैया चौक गेला आ तुरंत प्रफुल्ल भैया कs नींद सँ जगेला ....

प्रकाश भैया : रोऊ प्रफुल्ल, कने आसमान दिस देख कs कह .... जे तोरा की नज़र आबैत छो ?

प्रफुल्ल भैया :  बहुत रास खूबसूरत सितारा नज़र आबैत अछि मालिक ...

प्रकाश भैया : तखन यार इ कह जे ...... एय सँ तोरा की बुझैत छो ?

प्रफुल्ल भैया : आसमान खुबसूरत  आ साफ अछि ....

प्रकाश भैया : रोऊ आसमान के औलाद .... आसमान खुबसूरत  आ साफ नै छै .... अपना दुनु गोटा सुतले रैह गेलो आ कियो ऊपर सँ टेंट उठा कs ले गेल .... 

Read more...

Maithili Jikes - कैल्ह हमरा घर हमर छोट भाय जन्म लेतैय ??

प्रकाश भैया के पाँच बरखक सुपुत्र, फुल्चनमा अपन संगी सँ : तोरा बुझल छोऊ ...... कैल्ह हमरा घर  हमर छोट भाय जन्म  लेतैय ??

फुल्चनमा के संगी : वाह, की बात छै .... मुदा तोरा कोना बुझल छोऊ जे भाय जन्म  लेतोऊ की बहिन ?

फुल्चनमा : अरे यार साफ छै .... पिछला दफ़ा हमरा मम्मी के पेट मs दर्द भेल छलैन ....  दोसरे दिन हमर बहिनक जन्म भेलैय ..... अय बेर हमर पापाजी के पेट मs दर्द भो रहल छैन्ह ..... तें साफ छै जे  हमरा घर  हमर छोट भाय जन्म  लेतैय ??

Read more...

Maithili Jokes - शेरक आईख मs मैट तें अहाँ देना छि....

चन्दन भाई आ अभिषेक भाई दुनु गोटा एक जंगल मs घुमैत छलाह...

एतबे मs एक शेर हिनका दुनु दिस दहारैत दौरल...

चन्दन भाई झब दके एक मुट्ठी मैट (मिट्टी) शेरक आईख मs दैत परेला आ अभिषेक भाई कs सेहो कहलखिन..... भागु भाई..... भागु.....

अभिषेक भाई : हुंह| हम किएक भागब ?? शेरक आईख मs मैट तें अहाँ देना छि....

Read more...

Maithili Jokes - एक फुल और एक हाफ टिकट दिय...

एक बेर नबल अपना माँ के संगे फिल्म देखे के लेल गेला और टिकट काउंटर पर......

नबल टिकट वला सऽ : भय साहिब एक फुल और एक हाफ टिकट दिय,

टिकट वला : फुल ककरा लेल और हाफ ककरा लेल,

नबल : फुल माँ के लेल और हाफ हमरा लेल,

टिकट वला : आहा के मूंछ (मोछ) भऽ गेल हम अहू अपन फुल टिकट लियो,

नबल : ठीक या तऽ एक फुल और एक हाफ टिकट दिय, किया की हमरा माँ के मूंछ नहीं भेले हन.

Read more...

Maithili Jokes - हे गै बुच्ची एक कप चाह लबऽ तऽ..

प्रभाकर भाय एक दिन एयरपोर्ट गेला और हवा जहाज पर बैशला.....
प्रभाकर भाय एयरहोस्टेज सऽ : हे गै बुच्ची एक कप चाह लबऽ तऽ...

एयरहोस्टेज : गरम दुध में टी-बैग डूबाबैत हुनका द देलकैन...

प्रभाकर भाय : हे गै बुच्ची हम मुसलमान के हाथ स छुल किछु चीज नै खाई छी और तु हमरा ओकर बला ताबीज दुबेल्हा चाह पियबै छ...

Read more...

Maithili Jokes - रोउ बौउया आब तुहूँ सल्बार...

रिजल्ट निकलला के बाद लड़का]h��े अपेक्षा लड़की के रिजल्ट जाय्दा बढ़िया छल....

प्रभाकर चौधरी नबल सं : नबल हमरा तऽ होय या की हम बड़की पोखेर में डूईब कऽ मरी जय.....

नबल : धुरी जी महराज आहा हमरा कहे छी , हमर बाबु कहेत छथि जे रोउ बौउया आब तुहूँ सल्बार
सूट पहिरल कर तऽ तोरो देख कऽ पास कऽ देतो...

Read more...

Maithili Jokes - पैर अंदर कऽ लिय मैडम...

चुटी रिक्शा में पैर बाहर कऽ-कऽ बैसल छल...

रिक्शा ड्राइवर- पैर अंदर कऽ लिय मैडम....

चुटी - नै, रस्ता में हाथी मिलत त ओकरा लात मरबाक या कैल हम भाल्पट्टी बजार जा रहल छलो तऽ ओ हमरा आंखी   मारी कऽ भागी गेल छल....

Read more...

Maithili Jokes - जै उल्लू के पट्ठा के..


मदन भैया अपन ६ साल के बेटा कs एक खिलौना बला रेल गाड़ी खरीद के देलखिन...

खिलौना देलाक किछ देर के बाद मदन भैया बेटा के रूम में गेला ते देखैत छैथ बेटा रेल गाड़ी संग खेल रहल छैथ... आ कहैत छथिन.. "जै उल्लू के पट्ठा के उतरबाक छो उतर" "जै उल्लू के पट्ठा के चढ्बाक छो ओ चढ़" गाड़ी दुई मिनट सँ बेसी नै रुकतो....

बेटा के मुह सँ एही तरहक गप.... मदन भैया के निक नै लागल.... बेटा के दू थापर देला के बाद खिलौना ...छीन के रैख देलखिन.... आ बेटा सँ कहलखिन... हम दू घंटा के लेल बज़ार जे रहल छियो.... जा धरी एबो तू बैस के पढबिही....

दू घंटा के बाद जखन मदन भैया बज़ार सँ घुरला... देखैत छैथ बेटा आज्ञा अनुसार बैस के पैढ़ रहल छथिन... मदन भैया के ह्रदय पसीज गेल... ओ फेर सs बेटा के खिलौना द देलखिन... कहलखिन जो खेल गs ....

कनी देर के बाद मदन भैया बेटा के रूम में गेला ते बेटा के मुह सँ सुनैत छैथ......

"जै उल्लू के पट्ठा के उतरबाक छो उतर"
"जै उल्लू के पट्ठा के चढ्बाक छो ओ चढ़"
"गाड़ी पहिने एक उल्लू के पट्ठा के बजह सँ दू घंटा देरी सs चैल रहल छैक"

Read more...

Maithili Jokes - सभ दिन हम शर्त लगबैत छी..

प्रकाश भैया सभ दिन बैंक में ५-१० लाख पाई जमा कराबे जैत छलखिन.... बैंक के मैनेजर के आश्चर्य भेलैन जे प्रकाश बाबू सभ दिन एतेक पाई कते सँ आनैत छलखिन..... जिज्ञासा बस एक दिन मैनेजर प्रकाश भैया सँ पुछालखिन... प्रकाश बाबू अहाँ एतेक पाई कते सs आनैत छी ???

प्रकाश भैया : मैनेजर साहब!!! हमर तें बस एके काज अछि, सभ दिन हम शर्त लगबैत छी आ शर्त जीत जैत छी....

मैनेजर के विश्वास नै भेल.... 

मैनेजर : यो प्रकाश बाबू, अहाँ एहेन कुन शर्त लगबैत छी जे सभ दिन जीत जैत छी ????

प्रकाश भैया : मैनेजर साहब!!! चलू आय हम अहाँ सँ १० लाख के शर्त लगबैत छी, शर्त इ अछि जे... "अहाँ के नितंब पर एक फोड़ा अछि" आब शर्त इ अछि जे कैल्ह दिन में गबाहक रूप में हम दुई आदमी के अपन संग आनब.... हुनका अहाँ के अपन नितंब देखाबे परत....

यदि अहाँ के नितंब पर फोड़ा भेटल ते अहाँ हमरा १० लाख देब.... फोड़ा नै भेटल ते हम अहाँ के १० लाख देब ...... कहू मंजूर अछि ????

मैनेजर बुझैत छलाह जे हमरा नितंब पर कुनू फोड़ा नै अछि.... ओ ख़ुशी - ख़ुशी शर्त लगा लेलैथ....

दोसर दिन प्रकाश भैया के संग में दुई आदमी के आबैत देख कs मैनेजर के ख़ुशी के ठीकाना नै... मोने - मोन मैनेजर १० लाख के सपना देखा लागला...

प्रकाश भैया सभ जहिना बैंक पहुच्ला... मैनेजर हुनका सभ के अपन केविन में बजेलैथ... आ अपन पेंट खोइल के देखा देलखिन जे देखू.... हमरा नितंब पर फोड़ा नै अछि... आय अहाँ हारलों... १० लाख टका दिअ....

मैनेजर जहिना पेंट खोलला... प्रकाश भैया के संग बाला दुनु आदमी बेहोश!!!!!

प्रकाश भैया ख़ुशी - ख़ुशी मैनेजर के १० लाख टका देलखिन आ जोर - जोर सँ हँसे लग्लैथ.......

मैनेजर : प्रकाश बाबू आय किएक हँसे छी यो ??? आय ते अहाँ अपन शर्त हैर गेल छी ????

प्रकाश भैया : मैनेजर साहब!!! अहाँ के बुझल अछि जे इ दुनु आदमी किएक बेहोश भेल ??? हम हिनका दुनु आदमी सँ ४० लाख के शर्त लगेना रही जे बैंक मानेजर के अहाँ सभ के सामना में नागट करब.... अहाँ के नागट के कs हम अपन शर्त जीत गेलो....

अहाँ के १० लाख देला के बाबजूद ३० लाख हम जीतलों तही लेल हम हँसैत छी....

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP