.....

Maithili Jokes - भाय साहब रामपुर आइब गेल ?


संदीप भैया बस में सफर करैत छलाह...

संदीप भैया (कंडेक्टर सँ) : भाय साहब रामपुर आइब गेल ?

कंडेक्टर : नै एखन नै आयल....

किछ देर के बाद फेर.....

संदीप भैया : भाय साहब रामपुर आइब गेल ?

कंडेक्टर : नै एखन नै आयल....

कानी देर के बाद फेर...

संदीप भैया : भाय साहब रामपुर .................. ????

कंडेक्टर : महाराज चुप - चाप बैसल रहू ने..... रामपुर आयत तें हम अहाँ के कैह देब.......

किछ देर के बाद अचानक कंडेक्टर कs मोन परल जा.... रामपुर तें २ स्टॉप पाछे निकैल गेल.... ओ बस के घुमा के रामपुर पहुच्ला..

कंडेक्टर (संदीप भैया सँ) लिअ!!!! रामपुर आइब गेल....

संदीप भैया सरिया के बैसला.... अपन झोला सs एगो दबाई के पुरिया निकालला आ दबाई के सेवन केलाह.... आराम सs बैस रहला...

संदीप भैया ( कंडेक्टर सँ ) : भाय साहब !!!! दर असल हमर कनिया कहने रहथिन.... जखन रामपुर पहुच जायब तखन इ दबाई के सेवन क लेब.....

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP