.....

Maithili Jokes - बताउ हमरा चिन्है छी?"

दरभंगा मे डाक्टर लग एकटा बताह के ईलाज चलैत छल। छह मास धरि ईलाज चलला के बाद डाक्टर साहब कहलखिन्ह जे आब इ ठीक भ' गेला। मरिज के गार्जियन पूछलकै से कोना? डाक्टर साहब कहलखिन्ह जे देखियौ एखन हिनका सँ गप्प क' के देखबै छी।

डाक्टर साहब- "की यौ अहाँ के की नाम अछि?"

मरीज- "जी हमर नाम अपेश झा भेल।"

डाक्टर साहब मुस्की दैत गार्जियन के कहलखिन्ह देखलियै ठीक भ' गेला ने।

गार्जियन- "औरो किछ पुछियौ ने।"

डाक्टर साहब- "अच्छा, इ बताउ हमरा चिन्है छी?" अपेश जी- "हाँ यौ, अहाँ त' सकरी चीनी मिल के बम्बा छी।"

गार्जियन- "की डाक्टर साहब, आब कहू। हमरा त' देखैत देरी इ काल्हिये सँ इंडिया गेट कहै छैथ आओर जबर्दस्ती दूनु टाँग देने ढुक' लागै छैथ।

प्रस्तुतकर्ता : ओम प्रकाश झा, मुज़फ्फर पुर, बिहार

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP