.....
Doctor-Patient Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Doctor-Patient Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

Maithili Jokes - हम अन्हार मs जारैन (जलाबन) कोना फारब ??

एक मनोचिकित्सक भोरे - भोर अपन क्लीनिक पहुचल तें देखलक दुई गोट मरीज अभिषेक भाय, आ प्रफुल्ल भैया पहिने सs हाजिर छैथ ..

जाही मs पहिल मरीज "अभिषेक भाय" छत सँ उल्टा लटकल छैथ, आ दोसर मरीज "प्रफुल्ल भैया" एहेन अभिनय के रहल छैथ जेना की ओ कुड़हैर (कुल्हाड़ी) सँ जारैन (जलावन) फैर रहल छैथ .... 

डॉक्टर (प्रफुल्ल भैया) सँ : इ आदमी उल्टा किएक लटकल छैथ ?

मनोचिकित्सक के गप सुइन कs प्रफुल्ल भैया हँसैत - हँसैत : ओ बेवकूफ (अभिषेक जी) अपना आप कs समझैत छैथ जे ओ बल्ब छैथ ... 

डॉक्टर : हे भगवान्! अहाँ ओकरा जल्दी सँ निचा उतारू ....

प्रफुल्ल भैया : ओकरा हम निचा उतैर देब तें हम अन्हार मs जारैन (जलाबन) कोना फारब ??

Read more...

Maithili Jokes - अहाँ के संगी कोना मरल ???

डॉक्टर, रमण भाय सँ : अहाँ के संगी कोना मरल ???

रमण भाय : मालुम नै साहब!!! ओ हमरा कहलक जे हमरा पेट में मुश (चूहा) कुदैक रहल अछि ??? ते हम हुनका मुश मारे बला दावा खुवा देलो....

Read more...

Maithili Jokes - आब हम नेहे सकैत छी ???

प्रफुल भैया, डॉक्टर सँ : डॉक्टर साहब हमरा दुई साल पहिने बुखार रहे....

डॉक्टर : हाँ!! आय की भेल ??

प्रफुल भैया : किछ नै!!! इम्हर सs गुजरैत रही... तें सोच्लों अहाँ सs पुइछ ली... दुई साल पहिने अहाँ हमरा नहाबई सँ मना केना रही... की आब हम नेहे सकैत छी ???

Read more...

Maithili Jokes - बताउ हमरा चिन्है छी?"

दरभंगा मे डाक्टर लग एकटा बताह के ईलाज चलैत छल। छह मास धरि ईलाज चलला के बाद डाक्टर साहब कहलखिन्ह जे आब इ ठीक भ' गेला। मरिज के गार्जियन पूछलकै से कोना? डाक्टर साहब कहलखिन्ह जे देखियौ एखन हिनका सँ गप्प क' के देखबै छी।

डाक्टर साहब- "की यौ अहाँ के की नाम अछि?"

मरीज- "जी हमर नाम अपेश झा भेल।"

डाक्टर साहब मुस्की दैत गार्जियन के कहलखिन्ह देखलियै ठीक भ' गेला ने।

गार्जियन- "औरो किछ पुछियौ ने।"

डाक्टर साहब- "अच्छा, इ बताउ हमरा चिन्है छी?" अपेश जी- "हाँ यौ, अहाँ त' सकरी चीनी मिल के बम्बा छी।"

गार्जियन- "की डाक्टर साहब, आब कहू। हमरा त' देखैत देरी इ काल्हिये सँ इंडिया गेट कहै छैथ आओर जबर्दस्ती दूनु टाँग देने ढुक' लागै छैथ।

प्रस्तुतकर्ता : ओम प्रकाश झा, मुज़फ्फर पुर, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - २ करोर के लोटरी...

रामउदार मास्टर साहेब के लोटरी लागलैन २ करोर के.... लेकिन कियो बेटा पूतौह सब ई खबर हुनका नई सुनबैन जे कंही एतेक बुढ आदमी छैथ हार्ट -अटैक नहीं भ जाईन सुनिक...

आखिर में एगो निर्णय लेल गेल जे सहर सँ एगो निक डाक्टर के बजायेल जाय आर  ओकरा सामने में ठार क क ई खबर हुनका सुनाइल जाय... ताकि हार्ट -अटैक एला पर बचा लेल जेतैन !

डाक्टर आयल घरक लोग के कहलखिन जे आन्हा सब चिंता नहीं करू कुछी नई हुअ देबैन हम हम खुदे हुनका... ई खबर सुनेबैन

डाक्टर साहेब मास्टर जी लग गेला .......

पहिने इम्हर-उम्हर के बात क क फेर कहलखिन जे " बाबा आन्हा के नाम २ करोड़ के लोटरी लागला !

मास्टर जी :- अच्छा ! लेकिन हम ई उम्र में एतेक रुपया लाका की करब से आन्हा के आधा हम द देब........

डाक्टर साहेब एतेबा सुनैत देरी चारू- नाले चित्त भ का खैस परला आ हुनका प्राण छुइट गेलैन...

प्रस्तुतकर्ता : नविन ठाकुर, मधुबनी, बिहार

Read more...

Maithili Jokes - केकरा लिख रहल छी...

एकटा पागल चिट्ठी लिखैत रहे।

डॉक्टर : केकरा लिख रहल छी?

पागल : हम खुद क लिखैत छी।

डॉक्टर : की लिखलों हे?

पागल : हमरा की पता अखन हमरा भेटल थोरे अछि।

प्रस्तुतकर्ता : सुनील कुमार झा, सहरसा  - बिहार

Read more...

Maithili Jokes - दवा ख़त्म भो गेल ??

डॉक्टर, मरीज़ सँ : अय दवा के सेवन पूरा एक हफ्ता करू... एक हफ्ता में दवा ख़त्म भेला पर हमरा सँ आइब कs मिलब... आ कहब तबियत केहेन अछि...

पूरा एक हफ्ता के बाद.......


डॉक्टर : दवा ख़त्म भो गेल ??

मरीज़  : नै डॉक्टर साहब...

डॉक्टर : किएक ???

मरीज़ : दवा के बोतल पर लिखल रहे "अय बोतल के सदीखन बंद राखी"

Read more...

Maithili Jokes - आब हम बुढ भो गेलो...

डॉक्टर : अहाँ के शराब छोरे परत.... नै ते अहाँके अपन आईख सँ हाथ धोबे परत....

रोगी : डॉक्टर साहब!!! आब हम बुढ भो गेलो... ओनहियों हम सभ किछ देख चुकल छी.....

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP