.....

Maithili Jokes - अहांक दिमाग तें खराब नै अछि...

चन्दन  भाय,  अपन कनियाँ (चंद्रमुखी भौजी) सs: डार्लिंग आय हमर बहुत पुरान संगी राजनारायण  जी अपना घर पर भोजन करबाक लेल आइब रहल छैथ ....

चंद्रमुखी भौजी : अहांक दिमाग तें खराब नै अछि, घर के सब सामान अस्त - व्येस्त परल अछि आ भानस घर मs किछ छबो नै कराइ .... राजनारायण जी की सोचता ??

चन्दन भाय : तखने तs हम हुनका भोजन पर बजेना छि ... किएक जे किछ दिन के बाद राज भाई बियाह कराइ बला छैथ ... आ ओ बियाह सs पहिने देखा चाहैत छैथ जे शादी - सुदा लोग कोना रहैत छै ...

Maithili Jokes - भला मुश (चूहा) के ककरो डर होइत छै की ?

एक दिन चन्दन भाय कs अपन अर्धांग्नी चंद्रमुखी भौजी संग झगरा भो गेलैन ..... झगरा एहेन जे अनगिनत खापैर - बेलना टूटल ....

किछ देरक बाद चन्दन भाय अपन तामाश कs काबू मs करैत बाजला ....

चन्दन भाय : देखू यदि आब अहाँ एको बेर बेलना चलेलों तs हमर भीतर के पशु जैग जायत ... तकर बाद की होयत से अहाँ बुझू .....

चंद्रमुखी भौजी : हुह .... जागे दियो अहाँ अपन भीतर के पशु कs .... भला मुश (चूहा) के ककरो डर होइत छै की ???

Maithili Jokes - हम अपन पतिदेव सs गप के रहल छि...

चन्दन भाय के गाम मs एक नाटक के आयोजन भेल ....

नाटक मs चंद्रमुखी भौजी (चन्दन भाय के कनियाँ) कs एक झगरालू गृहणी के रोल करबाक लेल मिलल ...

चंद्रमुखी भौजी नाटक मs झगरालू गृहणी के बहुत सफल अभिनय केलखिन .... हुनकर अभिनय के पूरा गाम मs बहुत प्रसंसा भेल ...

नाटक ख़तम भेला पर एक पत्रकार चंद्रमुखी भौजी सँ :-

पत्रकार : भौजी इ कहु .... पहिल बेर अपनेक सफलतम अभिनय के की राज अछि ??

चंद्रमुखी भौजी : धुर, अय मs राज के कुन गप ? असल मs मंच पर हम अपन कलाकार संगी के संग गप करैत काल मन मs इ सोइच लेना रही जे वास्तव मs हम अपन पतिदेव सs गप के रहल छि ....

Maithili Jokes - ओकरे देखैत - देखैत परीक्षा मs हम फैल भो गेलो ..

अभिषेक भाय के बाबूजी, अभिषेक भाय सँ : रे डपोटसंख कने देख ... देख ....देख .... ओय लड़की कs ... ओ तोरे संग पढैत रहो ... ओ परीक्षा मs  सर्वप्रथम आयल छै ....

अभिषेक भाय (मुह लटका कs) : देख .... देख .... देख ... की देखू ??? 

ओकरे देखैत - देखैत परीक्षा मs  हम फैल भो गेलो ....

Maithili Jokes - तोहार मेहरारू (कनियाँ) के पहिल भतार...

नविनजी चिड़ियाँ घर मs एक तीन भाषा बाजै बला तोता (पोपट) देखलखिन ... जे अंग्रेजी, हिन्दी आ भोजपुरी भाषा बाजैत रहे ...

नविन भाय सोचला एही तोता के तीनो भाषा के जाँच करबाक चाही ....

नविन भाय (तोता) सs : हु आर यु ?

तोता : आई एम पैरोट 

नविन भाय : तुम कौन हो ?

तोता : मैं तोता (पोपट) हूँ!

नविन भाय : तू के बाड़े ?

तोता (खिसिया) कs : तोहार मेहरारू (कनियाँ) के पहिल भतार ....एक बेर बता देहली ता बेर - बेर काहे लs पूछत हौवे ?   

Maithili Jokes - जे कs पंखा मs फाँसी लगा लिया ....

एक दिन जितमोहन भाईजी आर सोनपरी भौजी (जितमोहन भाईजी के कनियाँ) के बिच कुनू गप ले कs  झगरा भो गेल ... किछ देर के बाद जितमोहन भाईजी पहुच्ला सोनपरी भौजी कs मनाबै लेल ....

जितमोहन भाईजी, सोनपरी भौजी के हाथ धे कs : जानू अहाँ हमरा कतेक प्यार करैत छि ?

सोनपरी भौजी, हुनका सs बहुत नाराज़ रहथिन ...

सोनपरी भौजी (चिढ़) कs : बहुत रास!

सोनपरी भौजी के मुहे एहेन गप सुनला के बाद ...

जितमोहन भाईजी (खुश होइत) : अहाँ हमरा किछ एहेन गप सुनाबू जै सँ हमर पेर (कदम) जमीन पर नै रहे ?

सोनपरी भौजी : जे कs पंखा मs फाँसी लगा लिया ....  

Maithili Jokes - एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???

एक दिन भूचाल भौजी प्रफुल्ल भाईजी सँ नाराज भs गेली .... किएक जे प्रफुल्ल भाईजी सभ दिन शराब पिला के बाद देरी सs घर आबैत रहथिन ...
 
अगला साझ प्रफुल्ल भाईजी जहिना घर सs निकलला .... भूचाल भौजी हुनकर संग धे लेलखिन ...
 
भूचाल भौजी : अहाँ जते - जते जायब .... हमहूँ अहाँक संगे - संग जायब ...
 
प्रफुल्ल भाईजी सोचला .... लाफरा बढ़ेला सँ निक हिनका अपना संग धरे ली ....

दुनु प्राणी पहुच गेला बियरबार ....


प्रफुल्ल भाईजी, (भूचाल भौजी) सँ : अहाँ की लेब ?
 

भूचाल भौजी : जे अहाँ पीयब सेह हमहूँ लेब ... प्रफुल्ल भाईजी व्हिस्की के दुई पैग मंगेला .... जकरा भूचाल भौजी हैरानी सँ देखते रैह गेली ... 

प्रफुल्ल भाईजी गिलास उठेला आ एके घुट मs गर्रर गर्रर ......
 

हुनका देख कs भूचाल भौजी गिलास के एके सिप तें लेलखिन .... वे ... वे .... के कs सब टा ओछैर देलखिन ....
 

भूचाल भौजी : एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???
 

प्रफुल्ल भाईजी : देखलो ने ? अहाँ कs लागैत अछि हम सभ दिन अय ठाम मज़ा लाई लेल आबैत छि ???

Maithili Jokes - हमर की य? हम अपन सासुर चैल जायब...

जीतू जी क बिजनस म काफी घाटा भेलैन। कंगाल भेला क बाद ओ अपन पत्नी(सोनपरी भौजी) स बजला: बच्चा सब क किछ दिनका लेल नानी लग भेज दियोउ।

सोनपरी भौजी : ठीक छै लेकिन हम ?

जीतू भाई : आहां अपन मां क पास चैल जाऊ।

सोनपरी भौजी (गुस्से म): अच्छा। और आहां ?

जीतू भाई : हमर की य? हम अपन सासुर चैल जायब।

Maithili Jokes - मनुख के डॉक्टर की खाख अहाँक इलाज़....

मुकेश विरेंद्र झाजी के तवियत खराब भो गेल छलैन ....

गुलाबो भौजी (मुकेश विरेंद्र झाजी के कनियाँ), मुकेश विरेंद्र झाजी सँ : अय बेर अहाँ अपन इलाज़ मवेशी डॉक्टर सs करेब ...

मुकेश विरेंद्र झाजी : मवेशी डॉक्टर ? से किये ???

गुलाबो भौजी : सभ दिन सबेरे - सबेर मुर्गा जोका उइठ जायत छि ...
घोड़ा जोका दौरैत ऑफिस जायत छि ...
गदहा जोका दिन भैर खटैत छि ...
सियार जोका सुचना लs के रिपोर्ट बनबैत छि ...
बानर जोका बॉस के इशारा पर नचैत छि ...
वापस घर पहुच्ला पर कुकुड़ जोका भुकैत छि ...
आर फेर भैसा जोका सुइत रहैत छि ...

मनुख के डॉक्टर की खाख अहाँक इलाज़ करत .....

Maithili Jokes - हम दुनु शादीशुदा छि ...

एक दिन चन्दन भाय अपन प्रेमिका के संग पार्क मs बैह म s बैह डाइल कs किछ रोमानी गप करैत छलाह ... एतबे मs एक हवलदार किम्हरो सँ हुनका लग पहुचल ...

हवलदार, चन्दन भाय सँ : अहाँ कs एको मिसिया लाज नै होइत अछि .... एक समझदार आदमी भs कs खुलेआम पार्क मs एहेन हरकत के रहल छि ??

चन्दन भाय : देखू हवालदार साहब अहाँ गलत समैझ रहल छि .... जे अहाँ बुइझ रहल छि एहेन कुनू गप नै अछि ...

हवलदार : तखन ?

चन्दन भाय : जी, हम दुनु   शादीशुदा छि ...

हवलदार : जखन शादी शुदा छि तखन इ प्यार के गुटरगू अपन घर पर किये ने करैत छि ?

चन्दन भाय :  हवालदार साहब, घर पर के तs लेंतो .... मुदा ओता हमर कनियाँ आ हिनकर पतिदेव कs शायद निक नै लागतैन ....  

Maithili Jokes - हम अन्हार मs जारैन (जलाबन) कोना फारब ??

एक मनोचिकित्सक भोरे - भोर अपन क्लीनिक पहुचल तें देखलक दुई गोट मरीज अभिषेक भाय, आ प्रफुल्ल भैया पहिने सs हाजिर छैथ ..

जाही मs पहिल मरीज "अभिषेक भाय" छत सँ उल्टा लटकल छैथ, आ दोसर मरीज "प्रफुल्ल भैया" एहेन अभिनय के रहल छैथ जेना की ओ कुड़हैर (कुल्हाड़ी) सँ जारैन (जलावन) फैर रहल छैथ .... 

डॉक्टर (प्रफुल्ल भैया) सँ : इ आदमी उल्टा किएक लटकल छैथ ?

मनोचिकित्सक के गप सुइन कs प्रफुल्ल भैया हँसैत - हँसैत : ओ बेवकूफ (अभिषेक जी) अपना आप कs समझैत छैथ जे ओ बल्ब छैथ ... 

डॉक्टर : हे भगवान्! अहाँ ओकरा जल्दी सँ निचा उतारू ....

प्रफुल्ल भैया : ओकरा हम निचा उतैर देब तें हम अन्हार मs जारैन (जलाबन) कोना फारब ??

Maithili Jokes - अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

जज, चन्दन भाय सँ : अहाँक शिकायत  अछि जे अहाँक कनियाँ "चंद्रमुखी देवी" अहाँक ऊपर लोहिया फेकली ?

चन्दन भाय : जी हुजुर ...

जज : कतेक दिन सs ऐना अहाँक कनियाँ लोहिया - डेकची अहाँक ऊपर फेकैत छली ?

चन्दन भाय : हुजुर बियाहक बाद ... जहिया सँ हुनका हम अपना संग रायपुर आनने छि ....

जज : अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

चन्दन भाय : जी .... लगभग 5 महिना ...

जज : तें अहाँ पहिने इ शिकायत  किएक ने केलो ?

चन्दन भाय : हजूर ..... आय पहिल बेर ओकर निशान हमर कपार पर परल ....

Maithili Jokes - दुई घंटा मs खाख पहाड़ चढ़ब ???

अभिषेक भाय, आ हुनकर गर्लफ्रेंड दुनु गोटा पहाड़ के सफर पर निकलला ....

पहाड़ चढाईत - चढाईत रैत भो गेल तें ... दुनु गोटा एक जगह विश्राम लेल रुकला ....

रैत कs जखन दुनु गोटा सुते लागला तें अभिषेक भाय अपना आ अपन गर्लफ्रेंड के बिच मs एक तकिया रैख देलखिन जे कही अनजान मs किछ गलती नै भs जाय ....

भोर होइते अभिषेक भाय धरफरा कs उठला आ अपन गर्लफ्रेंड सँ कहलखिन ....

अभिषेक भाय : झब दके उठू आ चलाई के तैयारी करू ... दुई घंटा मs पहाड़ के सिखर पर चैढ़ जेबाक अछि ...

अभिषेक भाय के गर्लफ्रेंड : अहाँ खाख पहाड़ पर चढ़ब ....... भैर रैत मs एक तकिया तें पारे नै के पेलाहू .... आ दुई घंटा मs खाख पहाड़ चढ़ब ??? 

Maithili Jokes - नै साहब! इ तें अहाँ कs खुद करे परत...

दुई आदमी .... चन्दन भाय भाय, आ अभिषेक भाय भाय, हटिया (बजार) मs साग - सब्जी करिदला के बाद आपस मs गप करैत रहथिन ...

चन्दन भाय : यार, हमर कनियाँ बजार सs   जैविक खाद सँ  तैयार तरकारी (सब्जी) आनबाक लेल कहने छथिन ....

अभिषेक भाय : तें ...... हटिया मs अहाँ कs एहेन तरकारी भेटल ??

चन्दन भाय : की कही यार ..... हम हटिया पहुच कs एक तरकारी बला सs पूछलो ..... इ तरकारी हमरा अपन कनियाँ के लेल किनबाक अछि ... अहाँ एय मs कुनू  रासायनिक या जहरीला  पदार्थ  के छिरकाव नै ने केना छि ? 

तरकारी बला कहलक "नै साहब! इ तें अहाँ कs खुद करे परत"

Maithili Jokes - हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

एक दिन टहलैत - टहलैत नविन जीक नज़र एक ज्योतिषी के तम्बू पर परल ...

नविनजी सोचला किएक नs किछ देर एहि ज्योतिष के संग हँसी - मज़ाक करल जाय ... नविनजी ज्योतिष के तम्बू मs घुइस गेला ...

नविनजी के तम्बू मs घुसैते भीतर बैसल ज्योतिष ....

ज्योतिष : आऊ ..... आऊ ..... हम अहाँक हाथक रेखा देख कs कैह सकैत छि जे अहाँ कs के गोट धिया - पुता अछि !

नविनजी (अपन हाथ आगा बढाबैत) : लिअ .... कहु ... हमरा के गोट धिया - पुता अछि ?

ज्योतिष (हाथ देखलाक बाद) : अहाँ कs दुई गोट  धिया - पुता अछि ...

नविनजी : अहाँ सब ज्योतिष सिर्फ पाखंडी आर ढोंगी होइत छि .... दरअसल हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

ज्योतिष (हँसैत - हँसैत) : एहेन अहाँ कs लागैत अछि .... बुझलों ?? 

Maithili Jokes - आंहक सूट बड नीक अछि.....

चन्दन जी के ऑफिस में एकटा लड़की काज करैत रहै.. 
एक दिन चन्दन जी ओइ लड़की स - आंहक सूट बड नीक अछि! 

लड़की - थैंक्स...
चन्दन जी - आंहक मेकप सेहो बड नीक अछि !

लड़की - थैंक्स... 
चन्दन जी - अंहक कानक बाली सेहो बड निक अछि !

लड़की - थैंक्स भाईजी !

चंदन जी - तैयो आन्हा सुन्दर नहीं लगी रहल छि ! खबासनी जेना बुझा रहल छी !

Maithili Jokes - एखन हम पैर (टांग) के बले ठाढ़ छि....

एक दिन प्रोफेसर साहब कॉलेज मs रक्त प्रवाह (ब्लड प्रेशर ) के विषय पर पढाबैत रहथिन ....

प्रोफेसर साहब : अहाँ सब जानैत छि ? यदि हम माथा के बल ठाढ़ भ जाय तें हमर खून माथा दिस तेज़ी सँ प्रवाहित हुवे लागत .... जकरा कारण सs हमर चेहरा लाल हुवे लगत ?

विद्यार्थी : जी ... प्रोफेसर साहब .....

प्रोफेसर साहब : तखन अहाँ सब एक बात कहु ... एखन हम पैर (टांग) के बले ठाढ़ छि तें हमर खून पैर दिस तेज़ी सँ प्रवाहित किएक नै होइत अछि ??

अभिषेक भाय : प्रोफेसर साहब ..... हम बताबी ?

प्रोफेसर साहब : हाँ .... हाँ ..... बताबु ?

अभिषेक भाय : किएक जे अहाँक माथा जोका अहाँक पैर (तांग) खाली नै अछि ....

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP