.....

Maithili Jokes - एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???

एक दिन भूचाल भौजी प्रफुल्ल भाईजी सँ नाराज भs गेली .... किएक जे प्रफुल्ल भाईजी सभ दिन शराब पिला के बाद देरी सs घर आबैत रहथिन ...
 
अगला साझ प्रफुल्ल भाईजी जहिना घर सs निकलला .... भूचाल भौजी हुनकर संग धे लेलखिन ...
 
भूचाल भौजी : अहाँ जते - जते जायब .... हमहूँ अहाँक संगे - संग जायब ...
 
प्रफुल्ल भाईजी सोचला .... लाफरा बढ़ेला सँ निक हिनका अपना संग धरे ली ....

दुनु प्राणी पहुच गेला बियरबार ....


प्रफुल्ल भाईजी, (भूचाल भौजी) सँ : अहाँ की लेब ?
 

भूचाल भौजी : जे अहाँ पीयब सेह हमहूँ लेब ... प्रफुल्ल भाईजी व्हिस्की के दुई पैग मंगेला .... जकरा भूचाल भौजी हैरानी सँ देखते रैह गेली ... 

प्रफुल्ल भाईजी गिलास उठेला आ एके घुट मs गर्रर गर्रर ......
 

हुनका देख कs भूचाल भौजी गिलास के एके सिप तें लेलखिन .... वे ... वे .... के कs सब टा ओछैर देलखिन ....
 

भूचाल भौजी : एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???
 

प्रफुल्ल भाईजी : देखलो ने ? अहाँ कs लागैत अछि हम सभ दिन अय ठाम मज़ा लाई लेल आबैत छि ???

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP