.....

Maithili Jokes - हम दुनु शादीशुदा छि ...

एक दिन चन्दन भाय अपन प्रेमिका के संग पार्क मs बैह म s बैह डाइल कs किछ रोमानी गप करैत छलाह ... एतबे मs एक हवलदार किम्हरो सँ हुनका लग पहुचल ...

हवलदार, चन्दन भाय सँ : अहाँ कs एको मिसिया लाज नै होइत अछि .... एक समझदार आदमी भs कs खुलेआम पार्क मs एहेन हरकत के रहल छि ??

चन्दन भाय : देखू हवालदार साहब अहाँ गलत समैझ रहल छि .... जे अहाँ बुइझ रहल छि एहेन कुनू गप नै अछि ...

हवलदार : तखन ?

चन्दन भाय : जी, हम दुनु   शादीशुदा छि ...

हवलदार : जखन शादी शुदा छि तखन इ प्यार के गुटरगू अपन घर पर किये ने करैत छि ?

चन्दन भाय :  हवालदार साहब, घर पर के तs लेंतो .... मुदा ओता हमर कनियाँ आ हिनकर पतिदेव कs शायद निक नै लागतैन ....  

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP