.....

Maithili Jokes - हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

एक दिन टहलैत - टहलैत नविन जीक नज़र एक ज्योतिषी के तम्बू पर परल ...

नविनजी सोचला किएक नs किछ देर एहि ज्योतिष के संग हँसी - मज़ाक करल जाय ... नविनजी ज्योतिष के तम्बू मs घुइस गेला ...

नविनजी के तम्बू मs घुसैते भीतर बैसल ज्योतिष ....

ज्योतिष : आऊ ..... आऊ ..... हम अहाँक हाथक रेखा देख कs कैह सकैत छि जे अहाँ कs के गोट धिया - पुता अछि !

नविनजी (अपन हाथ आगा बढाबैत) : लिअ .... कहु ... हमरा के गोट धिया - पुता अछि ?

ज्योतिष (हाथ देखलाक बाद) : अहाँ कs दुई गोट  धिया - पुता अछि ...

नविनजी : अहाँ सब ज्योतिष सिर्फ पाखंडी आर ढोंगी होइत छि .... दरअसल हमरा तीन गोट धिया - पुता अछि ...

ज्योतिष (हँसैत - हँसैत) : एहेन अहाँ कs लागैत अछि .... बुझलों ?? 

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP