.....

Maithili Jokes - जाऊ हुनका सभ सँ मिल आबू ...

चंद्रमुखी भौजी, (चन्दन भाय के कनियाँ) एक रैत देरी सँ घर पहुचली .... घर पहुचते ओ सीधा अपन सयंकक्ष (बेडरूम) पहुचली ..... घर पहुचते ओ देखैत छली हुनकर पलंग पर रजाई के भीतर दुई गो पेर (पाँव) के जगह चैर गो पेर अछि ..... चंद्रमुखी भौजी आव देखली नै ताव बगल के घर सs चिकना चुराई बला मुंगरी आनली आ दे - दना - दन ..... ता धरी रजाई कs पीटैत रहली जा धरी रजाई सs आवाज़ एब बंद नै भो गेल ..........

रजाई कs पीटैत - पीटैत चंद्रमुखी भौजी थैक गेली ...... हुनका बड्ड जोर पियास लागल ..... चंद्रमुखी भौजी पैन पीबाक लेल भानस घर (किचन) गेली ....

मुदा इ की ......!!!

च्गंद्रमुखी भौजी किचन पहुचते देखैत छथिन जे चन्दन भाय किचन मs कुर्शी पर बैसल एक किताब पैढ़ रहल छैथ ....


चंद्रमुखी भौजी कs देखैते ...... चन्दन भाय : डार्लिंग अहाँ आइब गेलों ?

अहाँक माँ - बाबूजी साझे एला ...... हम हुनका सभ कs अपन बेडरूम मs आराम करैक व्यवस्था के देना छि .....  जाऊ हुनका सभ सँ मिल आबू .......   

0 || एहिठाम क्लिक के कs अहाँ अपन टिप्पणी दीअ ||:

एक टिप्पणी भेजें

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP