.....

पॉलिटिक्स ककरा कहैत छै ???

प्रकाश भैया के सुपुत्र, प्रकाश भैया सँ:

पापा - पापा इ "पॉलिटिक्स" ककरा कहैत छै ?

प्रकाश भैया : अहाँ के माँ घर चलबैत छथिन, हुनका सरकार मैन लिअ।

हम कमबैत छी, हमरा कर्मचारी मैन लिअ।

नोकरनी घरक काज करैत छथिन, हुनका मजदूर मैन लिअ।

अहाँ देश के जनता भेलों।

अपन छोट भाय कs दशक  भविष्य मैन लिअ।

प्रकाश भैया के सुपुत्र : आब हमरा पॉलिटिक्स खूब निक जोका बुझा जेल पापा।

एहि लेल कैल्ह राति मs हम देखलो "कर्मचारी मजदूर के संग भानस घर मs मौज करैत रहथिन"

सरकार सुतल रहे।

जनता के किनको कुनु चिंते नै, आर दशक भविष्य कनैत रहे। 

डॉ. मनमोहन सिंह के भाषण ...

डॉ. मनमोहन सिंह भाषण दैत रहथिन, ओहि मs ओ एक खीसा सुनेलखिन :-

एक आदमी के तीन गोट बेटा रहे।  ओ आदमी अपन तीनो बेटा कs १००-१००  टक्का देलक आ कहलक जे बज़ार सs कुनु एहेन चीज किन आनू जाहि सs पूरा घर भैर जाय।

पहिलुक बेटा १०० टक्का के घास किन आनलक, मुदा घर नै भरल....

दोसर बेटा १०० टक्का के रुइया किन आनलक ओहियो सs घर नै भरल ...

तेसर (सभ सँ छोट) बेटा १ टक्का के मोमबत्ती आनलक जाहि सs पूरा घर प्रकाशित भो गेल।

आगा मनमोहन सिंह : अप्पन राहुल जी ओहि तेसर बेटा के समान छैथ।  राहुल जी जाहि दिन सँ राजनीती मs टांग राखला अप्पन देश उज्जवल प्रकाश आर  समृद्धि सs जगमगा रहल अछि।

ताबे मs पाछा सs अरविन्द केजरीवाल के आवाज आयल : "बांकी के ९९ टक्का की भेल ?" 

कौन बनेगा कड़ोड़पति मs सोनिया गांधी...

कौन बनेगा कड़ोड़पति (KBC) मs सोनिया गांधी के हजार - दस हजार, लाख - दस लाख, कड़ोड़ के सीढ़ी पार करबाक बाद :-

अमिताभ बच्चन : सोनियाजी, आब अंतिम सवाल ५ कड़ोड़ के अपनेक स्क्रीन पर उपलब्ध अछि।

गुजरातक मुख्यमंत्री के छैथ ?

 क) लालू प्रसाद
ख) विलासराव देशमुख
ग) अर्जुन सिंह
घ) नरेन्द्र मोदी 

सोनिया गांधी : नरेन्द्र मोदी।

अमिताभ बच्चन : अहाँ कs पूरा विश्वास अछि ?

सोनिया गांधी : १०१ टक्का

अमिताभ बच्चन : तें की हम नरेंद्र मोदी कs लॉक के दी ?

सोनिया गांधी : अहाँ हुनका लॉक तें करू बदला मs हम अहाँ कs १०० कड़ोड़ नगद टक्का देब। 

Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP