.....
Pooja Gupta : Madhubani - Bihar लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Pooja Gupta : Madhubani - Bihar लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

Maithili Jokes - जे कs पंखा मs फाँसी लगा लिया ....

एक दिन जितमोहन भाईजी आर सोनपरी भौजी (जितमोहन भाईजी के कनियाँ) के बिच कुनू गप ले कs  झगरा भो गेल ... किछ देर के बाद जितमोहन भाईजी पहुच्ला सोनपरी भौजी कs मनाबै लेल ....

जितमोहन भाईजी, सोनपरी भौजी के हाथ धे कs : जानू अहाँ हमरा कतेक प्यार करैत छि ?

सोनपरी भौजी, हुनका सs बहुत नाराज़ रहथिन ...

सोनपरी भौजी (चिढ़) कs : बहुत रास!

सोनपरी भौजी के मुहे एहेन गप सुनला के बाद ...

जितमोहन भाईजी (खुश होइत) : अहाँ हमरा किछ एहेन गप सुनाबू जै सँ हमर पेर (कदम) जमीन पर नै रहे ?

सोनपरी भौजी : जे कs पंखा मs फाँसी लगा लिया ....  

Read more...

Maithili Jokes - एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???

एक दिन भूचाल भौजी प्रफुल्ल भाईजी सँ नाराज भs गेली .... किएक जे प्रफुल्ल भाईजी सभ दिन शराब पिला के बाद देरी सs घर आबैत रहथिन ...
 
अगला साझ प्रफुल्ल भाईजी जहिना घर सs निकलला .... भूचाल भौजी हुनकर संग धे लेलखिन ...
 
भूचाल भौजी : अहाँ जते - जते जायब .... हमहूँ अहाँक संगे - संग जायब ...
 
प्रफुल्ल भाईजी सोचला .... लाफरा बढ़ेला सँ निक हिनका अपना संग धरे ली ....

दुनु प्राणी पहुच गेला बियरबार ....


प्रफुल्ल भाईजी, (भूचाल भौजी) सँ : अहाँ की लेब ?
 

भूचाल भौजी : जे अहाँ पीयब सेह हमहूँ लेब ... प्रफुल्ल भाईजी व्हिस्की के दुई पैग मंगेला .... जकरा भूचाल भौजी हैरानी सँ देखते रैह गेली ... 

प्रफुल्ल भाईजी गिलास उठेला आ एके घुट मs गर्रर गर्रर ......
 

हुनका देख कs भूचाल भौजी गिलास के एके सिप तें लेलखिन .... वे ... वे .... के कs सब टा ओछैर देलखिन ....
 

भूचाल भौजी : एतेक कडुवा अहाँ कोना पिब जैत छि ???
 

प्रफुल्ल भाईजी : देखलो ने ? अहाँ कs लागैत अछि हम सभ दिन अय ठाम मज़ा लाई लेल आबैत छि ???

Read more...

Maithili Jokes - अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

जज, चन्दन भाय सँ : अहाँक शिकायत  अछि जे अहाँक कनियाँ "चंद्रमुखी देवी" अहाँक ऊपर लोहिया फेकली ?

चन्दन भाय : जी हुजुर ...

जज : कतेक दिन सs ऐना अहाँक कनियाँ लोहिया - डेकची अहाँक ऊपर फेकैत छली ?

चन्दन भाय : हुजुर बियाहक बाद ... जहिया सँ हुनका हम अपना संग रायपुर आनने छि ....

जज : अहाँक बियाह कs कतेक दिन भेल ?

चन्दन भाय : जी .... लगभग 5 महिना ...

जज : तें अहाँ पहिने इ शिकायत  किएक ने केलो ?

चन्दन भाय : हजूर ..... आय पहिल बेर ओकर निशान हमर कपार पर परल ....

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP